Wednesday, December 21, 2016

बड़की काकी एट हॉटमेल डॉट कॉम कें भेटल साहित्य अकादमी पुरस्कार

नई दिल्ली/दरभंगा : साहित्य अकादमी आइ साहित्य अकादमी पुरस्कार 2016क घोषणा क' देलक. साहित्य अकादमीक मैथिलीक पुरस्कार 2016 श्याम दरिहारे कें खिस्सा 'बड़की काकी एट हॉटमेल डॉट कॉम' लेल भेटल.

जूरी छलथि भगवान जी चौधरी, रूपनारायण चौधरी आ देवेंद्र चौधरी. साहित्य अकादमीक पुरस्कारक रुपे श्याम दरिहरे कें एक लाख रूपया, शॉल, आ ताम्रपत्र देल जाएत. इ पुरस्कार 22 फरवरी कें नई दिल्ली में आयोजित सम्मान समारोह मे देल जाएत. श्याम दरिहारे कें भेटल पुरस्कार सं साहित्य प्रेमी सभ खुश छथि, मिथिला प्राइम दिस सं ढाकी भरि बधाई.

0 comments:

Post a Comment