नई दिल्ली : विश्व पुस्तक मेला नई दिल्ली 2017क आइ अंतिम दिन एकटा सत्र मैथिलीक नाम रहल जाहि मे मिथिलाक बौद्धिक-साहित्यिक परंपरा मे स्त्री लेखन विषय पर विमर्श कयल गेल. बताबी जे एहि बेरुक पुस्तक मेलाक प्रसंग ‘मानुषी’ छल जाहि मे खूब रास महिला साहित्य पर चर्चा-परिचर्चा भेल अछि.
आजुक एहि विमर्श मे वक्ता छलथि डॉ उषाकिरण खान, डॉ शेफालिका वर्मा आ डॉ नीरजा रेणु. (जानकारी लेल बता दी जे इ तीनू लेखिका साहित्य अकादमी पुरस्कार सं सम्मानित छथि.) कार्यक्रमक सञ्चालन धीरेन्द्र प्रेमर्षि आ धन्यवाद ज्ञापन सविता झा आ अमित आनंद केलनि. एहि कार्यक्रमक ठीक बाद पत्रकार पुष्यमित्र क’ नव किताब “रेडियो कोसी” लोकार्पित भेल. कार्यक्रम मे दिल्ली-एनसीआर सं बहुतो मैथिल पहुंचल छलथि.
![]() |
बायां कात सं डॉ उषाकिरण खान, डॉ नीरजा रेणु, डॉ शेफालिका वर्मा आ धीरेन्द्र प्रेमर्षि
|
आजुक एहि विमर्श मे वक्ता छलथि डॉ उषाकिरण खान, डॉ शेफालिका वर्मा आ डॉ नीरजा रेणु. (जानकारी लेल बता दी जे इ तीनू लेखिका साहित्य अकादमी पुरस्कार सं सम्मानित छथि.) कार्यक्रमक सञ्चालन धीरेन्द्र प्रेमर्षि आ धन्यवाद ज्ञापन सविता झा आ अमित आनंद केलनि. एहि कार्यक्रमक ठीक बाद पत्रकार पुष्यमित्र क’ नव किताब “रेडियो कोसी” लोकार्पित भेल. कार्यक्रम मे दिल्ली-एनसीआर सं बहुतो मैथिल पहुंचल छलथि.
0 comments:
Post a Comment