समस्तीपुर/सहरसा : 22 फ़रवरी 1974 कें रेल मंत्री रहल ललित नारायण मिश्र सकरी-हसनपुर 74 किलोमीटर छोटकी रेल खंड क' शिलान्यास केने छलथि. 1972 मे भारतीय रेलवे एहि खंड क' सर्वे केने छल. समस्तीपुर मे 1975 मे ललित मिश्र क' बम विस्फोट मे मृत्युक बाद इ रेलखंड कें कागज मे हरा देल गेलै.

1991 मे रेलवे फेर एक बेर एहि खंडक सर्वेक्षण केलक. 1996 मे रेलमंत्री रामविलास पासवान सकरी-हसनपुर कें बड़की रेलखंड बनेबाक स्वीकृति देलनि. 1996-97 रेल बजट मे रेलखंड लेल एक सौ करोड़ रूपया भेटलै, काज शुरू भेलै. बहते धीरे काज चलि रहल छलै, पटरी बिछाओल जा रहल छलै, चुनाव लग छलै. तत्कालीन रेलमंत्री लालू यादव 5 दिसंबर 2008 कें सकरी सं बिरौल, 35 किमी धरि ट्रेन के हरियर झंडी देलखिन. काज फेरो रुकि गेलै. रेलवे फेर एहि रेलखंड कें प्राथमिक सूची मे रखलक तखन जा' रेल बजट मे किछु न किछु पाइ भेटय लागल. आब पटरी पूरा बिछि गेल छैक.
बीतल काल्हि बिरौल-हसनपुर खंड पर 110 किमी क' स्पीड सं ट्रेनक पहिल ट्रायल रन सफल रहल अछि. निर्माण विभागक इंजिनियर क' मानी त' 43 साल बाद मई क' अंत मे रेलखंड पर ट्रेन चलब शुरू भ' जाएत.

0 comments:
Post a Comment