Friday, May 12, 2017

सात टा दमगर मैथिली शार्ट फिल्म, जे जरुर देखबाक चाही.

मैथिली मे आइ धरि गिनल-चुनल फिल्म बनल अछि जेकरा अंगुरी पर गानल जा सकैत अछि. ममता गाबय गीत आ कन्यादान क' बाद जौं किछु नाम जे लेल जा सकैत अछि जाहि मे सस्ता जिनगी महग सेनुर, मुखिया जी, ललका पाग, मिथिला मखान क' नाम प्रमुखता सं लेल जा सकैत अछि. आइ गप्प मैथिली लघु फिल्म सभ पर. लघु फ़िल्मक हाल सेहो बेहाल छैक.

लेखक मंत्रेश्वर झा कहै छथिन, 'हम मानैत छी जे मैथिली लेखन मे एक प्रकारक लौल छोड़ि आओर किछु नहि छैक.'  इ गप्प मैथिली सिनेमा पर सेहो पूर्ण रूपे फिट बैसैत छैक. मुदा एहि लौल मे किछु नीक काज सभ सेहो होइत छैक, जे हमरा सभ धरि पहुंच नहि पबैत अछि आ ने हम सभ पहुंचबाक कोशिश करय छी. हम पहिल लघु फ़िल्मक जौं गप्प करी त' अमितेश शाह कें निर्देशन मे बनल लघु फिल्म कमला देखने रही जेकरा आइयो धरि नहि बिसरि सकलौं.

#1 कमला 
फिल्म एचआइवी सं संक्रमित एकटा ग्रामीण महिला पर अछि. एचआइवी सं संक्रमित लोक सभसं संगे केहन व्यवहार कयल जाइत अछि, फिल्म मे देखाओल गेल छैक. फ़िल्मक बीच क' संगीत नीक कहल जा सकैत छैक. निच्चा पूरा फिल्म देखी.


#2 अफवाह 
रमेश रंजन द्वारा लिखल आ पुर्नेंदु झा द्वारा निर्देशित इ फिल्म बनाओल गेल अछि. मीडिया, हत्या, पुलिस, अपहरण, मधेश आ राजनीति क' बीच सच आ फूइस क' बीच अप्पन कनटिरबा लेल डराएल एकटा बाप. निच्चा पूरा फिल्म देखी.

#3 पंचैती
गामक पंचैती मे एकटा महिला पर गलत आरोप लगा ओकरा गाम सं निकालि देल जाइत छैक. एहि पंचैती क' बाद ओहि क्षेत्र मे फेर कोनो पंचैती नहि भेलै आ बहुतो महिला गलत पंचैती सन बचि गेली. निच्चा पूरा फिल्म देखी.


#4 कांच बासन 
एकटा बचियाक खिस्सा जेकर बियाह लेल माय-बाबू अगुतैल छथिन मुदा धिया क' जवाब सुनि स्तब्ध भ' जाइ छथि. निच्चा पूरा फिल्म देखी.

#5 कफ़न 
प्रेमचंद्र द्वारा लिखल गेल कफ़न, मैथिली मे अचल मिश्र द्वारा बनाओल गेल अछि. खिस्सा त' सभकें बुझले होएत मुदा फ़िल्मक सिनेमेटोग्राफी देखबाक जोगर अछि.

#6 हम बियाह नहि करब 
हम बियाह नहि करब, बाल बियाह पर आधारित एकटा शार्ट फिल्म छैक जे झा विकास द्वारा बनाओल गेल अछि.

#7  दी सस्पेक्ट 
इ सभ सं टटका मैथिली शार्ट फ़िल्म छैक. 'मिथिला मखान' बना नेशनल अवार्ड जीतनाहर नितिन चंद्रा द्वारा निर्देशित एहि फ़िल्मक मुख्य पात्र, अब्दुल रहीम अंसारी छथि जिनका पर आतंकवादी हमला सं जुड़ल हेबाक अंदेशा छै, की अपना आपके निर्दोष साबित क' सकत? जनबाक लेल फिल्म देखी. इ पहिल एहन मैथिली फिल्म छैक जेकरा ऑनलाइन देखबा लेल अहां कें 25 टका खर्चा करय पड़त. फ़िल्मक ट्रेलर देखी.
पूरा फिल्म एतहि देखि सकैत छी.

'मुखिया जी' फिल्म बनौनिहार विकास झा जल्दिये एकटा नव मैथिली शार्ट फिल्म 'कवि कल्पना' ल' आबि रहल छथि. सोशल मीडिया एहि फ़िल्मक मेकिंग विडियो सं छारल छैक. इ फिल्म मे पूरा कविता छैक, यैह एकरा खास बनबै छैक. 

1 comment:

  1. "द सस्पेक्ट" के मैथिली लघु फिल्म के सूचि में रखनाई उचित नई बुइझ परि रहल अछि. किएक त' 30 मिनट के अवधि में मात्र 2-३ मिनट मैथिली बाजल गेल ऐछ..ओहुना ई विषय कोनो मैथिली विशेष नई छैक. सिर्फ मैथिली के नाम पर कनि मनी मैथिली बैज लेला स' कोनो सिनेमा मैथिली सिनेमा नई कहा जेतैक.
    ओना "द सस्पेक्ट" एकटा लघु सिनेमा के तौर पर निक सिनेमा कहल जा सकैत छै मुदा मैथिली सिनेमा त' कदापि नई. आशा करैत छी जे ई बिंदु पर ध्यान देल जेतैक.
    धन्यवाद.
    विकास झा

    ReplyDelete