केंद्रीय आईटी आ कानून मंत्री रविशंकर प्रसाद बीतल बृहस्पति कें पटना में टीसीएस क' पहिल बीपीओ सेंटर क' उद्घाटन केलनि. एहि बीपीओ क' कैपेसिटी अखन एक हजार अछि जेकरा आगू बढ़ा 1900 कयल जाएत.
रविशंकर प्रसाद पटना लेल एकरा ऐतिहासिक बताबैत कहलनि जे," इ मात्रे टा शुरूआत छैक. पटना में 6 टा आओर बीपीओ खुजत, संगे दरभंगा, मुजफ्फरपुर आ दलसिंहसराय मे सेहो जल्दिये कॉल सेंटर खुजत."
मौका पर टीसीएस क' सीईओ राजेश गोपीनाथन कहलनि जे युवाक आबादी देशक करीब आबादी क' 65 फीसदी छैक आ एहि म सं अधहा पच्चीस बरख सं कम उम्रक संग डिजिटली लिट्रेट छथि. एहि कॉल सेंटर खुजला सं राज्यक युवा कें लाभ भेटत.
![]() |
पटना मे कॉल सेंटर क' उद्घाटन करैत रविशंकर प्रसाद |
मौका पर टीसीएस क' सीईओ राजेश गोपीनाथन कहलनि जे युवाक आबादी देशक करीब आबादी क' 65 फीसदी छैक आ एहि म सं अधहा पच्चीस बरख सं कम उम्रक संग डिजिटली लिट्रेट छथि. एहि कॉल सेंटर खुजला सं राज्यक युवा कें लाभ भेटत.
0 comments:
Post a Comment