दरभंगा : भारत मे लगातार ट्रेन में भीड़ बढ़ि रहल छैक आ मिथिला दिस सं पैघ शहरक लेल जाए बला ट्रेन मे त 'भयंकर वृद्धि भेल अछि. 10 साल पहिले दरभंगा-दिल्ली संपर्क क्रांति एक्सप्रेस व्यस्ततम ट्रेनक सूची मे 9म नंबर पर छल, मुदा अझुका रेलवे के रिपोर्ट क' बाद पहिल नंबर पर पहुंचि गेलै.
दरभंगा-दिल्ली संपर्क क्रांति एक्सप्रेस मे एक बरख मे जते लोक यात्रा करै छथि, ओकर एक तिहाई वेटिंग लिस्ट चलैत अछि. रेल मंत्रालय क' आंकड़ा बतबैत अछि जे 2016-17 क' बीच 12565 दरभंगा-दिल्ली संपर्क क्रांति एक्सप्रेस सं 6,22,867 लोक यात्रा केलनि आ 2,05,192 लोग प्रतीक्षा सूची मे रहलथि.
एहि तरहे, 12566 दिल्ली-दरभंगा संपर्क क्रांति एक्सप्रेस सं 6,31,470 लोक पिछला साल मे यात्रा केलनि। एकर वेटिंग लिस्ट 1,97,480 रहल. बरौनी-दिल्ली क' बीच वैशाली एक्सप्रेस सं 5,56,316 लोक यात्रा केलनि आ एहि मे प्रतीक्षा सूची 1,93,401 रहल. व्यस्ततम ट्रेनक टॉप-10 क' लिस्ट मे बिहार या वाया बिहार सं 6 टा ट्रेन छैक.
(रिपोर्ट प्रभात खबर सं लेल गेल अछि.)
0 comments:
Post a Comment