Sunday, July 2, 2017

संरक्षण, नेपाली सिनेमा मे मैथिली युग क' शुरुआत अछि


तीसरी कसम. यैह ओ हिंदी फिल्म छल जाहि मे पहिल बेर मैथिली संवाद सुनल गेल. अहां सेहो सुनी.


एकरा बाद एक-आध टा आओर फिल्म मे मैथिली संवाद सुनल गेल मुदा साफ़ शब्द मे बुझियौ त' नहि सुनल गेल. गैंग्स ऑफ वासेपुर क' गीत मे जरूर मैथिली लोकसंगीतक धाह छलै आ गंगाजल 2 मे सेहो मुदा पैघ स्तर पर मैथिली, हिंदी सिनेमा मे कहियो जगह नहि बना सकलै जखन की हिंदी सिनेमा देखनाहर एकटा नीक आबादी मैथिली भाषी छैक. नेपाली फिल्म फिटकिरी मे सेहो मैथिली डायलॉग छल मुदा ओकरा बाद नेपाली फिल्म इंडस्ट्री मे मैथिली के जे जगह भेटबाक चाही छल से नहि भेटलै. फिटकिरी फ़िल्म मे मैथिली संवाद सुनी.

11 अगस्त के रिलीज़ भ' रहल नेपाली फ़िल्म संरक्षण मे पहिले फगुआ गीत मे मैथिली आ नेपाली मिक्स क' गीत पड़सल गेैलै, गीत सुनी, पसिन पड़त.



एहि गीत मे मैथिली आ नेपाली संगे पैघ स्तर पर प्रयोग कयल गेलै आ सफल सेहो रहलै जखन काठमांडू मे हिंदी फगुआ गीत सभ के ठाम नेपाली फिल्म संरक्षण फ़िल्मक इ गीत ल' लेलकै. 

एकरा बाद संरक्षण फ़िल्मक एकटा आओर गीत रिलीज़ भेलै पूरा मैथिली मे, किशोरी लाल, सुनी.


किशोरी लाल संभवतः पहिल एहन संपूर्ण मैथिली गीत छैक जे कोनो भी आन भाषाई फिल्म मे जगह बनेलक. इ गीत रोशन जनकपुरी लिखने छथि, गेने छथि रितिका परमेश्वर, प्रवेश मल्लिक आ प्रेम प्रकाश कर्ण. 
संरक्षण फ़िल्मक डायरेक्टर पुर्नेंदु झा छथि. संरक्षण फ़िल्मक दुनु गीत 4K मे बनाओल गेल छैक. संरक्षण फ़िल्मक बाद उमीद करी जे आगां आबय वला समय मे नेपाली फिल्म इंडस्ट्री मे मैथिली मे काज होइत रहत.


0 comments:

Post a Comment