Thursday, June 22, 2017

अमलेंदु आ चन्दन कें साहित्य अकादमी पुरस्कार भेटल

साहित्य अकादमी क' अध्यक्ष विश्वनाथ प्रसाद त्रिपाठी क' अध्यक्षता मे आई दुपहरिया गुवाहाटी मे बाल साहित्य पुरस्कार आ साहित्य अकादमी युवा पुरस्कार के घोषणा कयल गेल. मैथिली मे बाल साहित्य पुरस्कार, अमलेंदु शेखर पाठक कें उपन्यास लालगाछी लेल भेटल आ साहित्य अकादमी युवा पुरस्कार, चंदन कुमार झा कें काव्य संग्रह धरती सं अकास लेल भेटल. पुरस्कार मे ताम्रफलक आ पचास हज़ार टका दुदू गोटे कें साहित्य अकादमी एकटा पुरस्कार समारोह मे 14 नवंबर के देल जाएत.

बाल साहित्य पुरस्कार लेल जूरी मे इन्द्रकांत झा, प्रभास कुमार झा आ शशिनाथ झा छलथि आ साहित्य अकादमी युवा पुरस्कार लेल जूरी मे वैद्यनाथ चौधरी, मन्त्रेश्वर झा आ योगेन्द्र पाठक छलथि. मिथिला प्राइम दिस सं अमलेंदु आ चन्दन के ढेर रास बधाई.

  

0 comments:

Post a Comment