Tuesday, August 29, 2017

मैथिली शार्ट फिल्म 'दी सस्पेक्ट' यूट्यूब पर रिलीज़ भेल

निओ बिहार, राज्यक भाषा मे गीत/वीडियो बनेबा लेल जानल जाएत अछि. 2016क अंते सं एकटा मैथिली शार्ट फिल्म पर काज चलि रहल छल आ फिल्म 'दी सस्पेक्ट'  5  मई के यूट्यूब पर रिलीज़ भेल छल, जेकरा देखबा लेल 25 रुपया क' खर्चा करय पड़य छल मुदा काल्हि सांझ सात बजे इ फ़िल्म फेर सं यूट्यूब पर रिलीज़ भेल जेकरा फ्री में देखल जा सकत.

फ़िल्म मे दुर्गेश कुमार मुख्य रोल में छथि. फ़िल्मक पात्र, अब्दुल रहीम अंसारी जेकरा पर आतंकवादी हमला सं जुड़ल हेबाक अंदेशा छै, की अपना आपके निर्दोष साबित क' सकत? जनबा लेल फ़िल्म देखू.



निर्देशक नितिन चंद्रा कहैत छथि, 'हम अप्पन भाषा भोजपुरी आ मैथिलीमे फिल्म बनायब पसिन करैत छी, किएक त' तथाकथित पढ़ल-लिखल लोक अप्पन भाषा बिसरी गेलथि, लोक अपना घरमे अप्पन भाषामे गप्प नहि करैत छथि. आन भाषा जेना मराठी, बंगाली, पंजाबी या दक्षिण भारतीय अप्पन भाषा नहि छोड़लनि तैं एहि सिनेमा सभक पहचान भेटलै. नितिन द्वारा निर्देशित फिल्म 'मिथिला मखान' कें मैथिलीक पहिल नेशनल अवार्ड भेटल छल.

0 comments:

Post a Comment