Thursday, January 18, 2018

जून सं शुरू होएत दरभंगा सं दिल्ली, मुंबई आ बेंगुलुरु लेल फ्लाइट

बिहार क' उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी बीतल बुधदिन नागरिक विमानन सचिव आर एन चौबे आ एयरपोर्ट ऑथरिटी ऑफ इंडिया(एएआई) क' अधिकारी संगे नई दिल्ली स्थित बिहार भवन मे बैसारक बाद कहलनि जे दरभंगा सं उड़ान योजना क' तहत अगिला छह मास मे मुंबई, बेंगलुरु आ दिल्ली लेल हवाई सेवा शुरू भ' सकैत अछि.

उपमुख्यमंत्री सुशील मोदी क' ट्वीट देखी.




सुशील मोदी कहलनि जे, "दू टा विमानन कंपनी स्पाइस जेट आओर इंडिगो उड़ान योजना क' अंतर्गत दरभंगा सं मुंबई, बेंगलुरु आओर दिल्ली क' सेवा लेल टेंडर देलक अछि. वायु सेनाक अधीन दरभंगा हवाई अड्डा पर टर्मिनल भवन आ प्रवेश लेल जों सरकार जमीन उपलब्ध करा दैत अछि, त' अगिला छह ममास मे दरभंगा सं उड़ान शुरू भ' सकैत अछि."

1 comment: