Saturday, July 7, 2012

मिथिला विभूति पर्वक तैयारी शुरु

कार्त्तिक धवल त्रयोदशी से शुरु होयवला मिथिला विभूति पर्वक तैयारी प्रारंभ भऽ गेल हँ।एकरा लऽ कऽ बीतल काल्हि विद्यापति सेवा संस्थान के बैठक एमएलएसएम कालेज मेँ कमलाकांत झाक अध्यक्षता मेँ भेल।बैठक मेँ स्वागत समिति के गठन कैल गेल।समिति के मुख्य संरक्षक सांसद सह भाजपा प्रदेश अध्यक्ष डा॰ सीपी ठाकुर के बनाओल गेल।ओतय संरक्षक कासिदसंवि के कुलपति डा॰ अरविन्द पाण्डे आ दरभंगा प्रक्षेत्र के आईजी आरके मिश्र के बनाओल गेल।ओतय स्वागताध्यक्ष के भार लनामिवि के कुलपति डा॰ एसपी सिँह आ कार्यकारी स्वागताध्यक्ष प्रतिकुलपति डा॰ ध्रुव कुमार के सौँपल गेल।समिति के महासचिव संजीव झा,सचिव जीवकांत मिश्र आ कोषाध्यक्ष बैद्यनाथ झा के बनाओल गेल।संस्थानक महासचिव डा॰ बैद्यनाथ चौधरी 'बैजू' के उपस्थिति मेँ सर्वसम्मति से आयोजनक लेल विभिन्न प्रभारी तय कैल गेल।अयमेँ सांस्कृतिक प्रभारी कमलाकांत झा के बनाओल गेल।सेमिनारक संयोजक मणिकांत झा आ स्मारिका संपादन मंडली मेँ चंद्रेश,चंद्रमोहन झा परवा आ विष्णुकांत झा विकल के शामिल कैल गेल।बता दी जे त्रिदिवसीय मिथिला विभूति पर्व आगामी 26 नवंबर सऽ 28 नवंबर तक दरभंगा मेँ होयत।

0 comments:

Post a Comment