नेपाल रेलवे के विकासक लेल भारत सरकार 540 करोड़ रुपया के राशि उपलब्ध करा देलक हँ।भारतक अय सहयोगक बाद नेपाली रेल के आर्थिक विपन्नताक दौर मेँ उबरै के संभावना के बल भेटल हँ।अय राशि सऽ अखन जयनगर-जनकपुर-वर्दीवास तक 66 किमी मेँ आमान परिवर्तनक काज शुरु भऽ गेल हँ।नेपाल रेलवे के डीजी रामकुमार लमसाल बतेलैथ हँ जे आमान परिवर्तनक कारणे जयनगर-जनकपुर तक चलय बला समझौता एक्सप्रेसक परिचालन नवंबर सऽ बन्द कऽ देल जायत।बता दी जे बड़ी रेल लाइन निर्माणक लेल 16 फरवरी 2010 के भारतीय विदेश मंत्री एसएम कृष्णा आ नेपाल के पर्यटन विकास आ संस्कृति मंत्री शरद सिँह भंडारी के बीच करार पर हस्ताक्षर भेल छल।अय महत्वपूर्ण परियोजना के निमार्ण जिम्मेवारी इरकान इंटरनेशनल के देल गेल हँ।नवंबर बाद ट्रेन सेवा बन्द भेला सऽ देश-विदेशक पर्यटक संगे भारत-नेपालक लाखोँ लोग के काफी कठिनाईक सामना करय पड़त।नेपाली तराई लोकक लेल इ ट्रेन लाइफ-लाइन छैक।समझौता एक्सप्रेस सऽ प्रतिदिन लगभग 12 हजार लोक यात्रा करैत छैथ आ इ ट्रेन बंद भेलाक बाद होयबला दिक्कत के संदर्भ मेँ इरकानक पदाधिकारी सभक कहब छन जे हमर सभक कोशिश रहत जे आमलोक के कम सऽ कम दिक्कत हो!
0 comments:
Post a Comment