Thursday, July 5, 2012

दरभंगा जंक्शन

मिथिलाक सबसँ प्रमुख रेलवे स्टेशन! बिहारक,पटनाक बाद सबसँ बेसी राजस्व वा आय दैय वला स्टेशन अछि!एहन स्टेशन पर मात्र चारि टा प्लेटफार्म, एकटा पर समस्तीपुर जयबाक वास्ते भरि दिन प्लेटफार्म नम्बर चारि पर ट्रेन लागल रहैत अछि उत्तरबारि कात सँ आ दक्षिणबारी कात सँ सीतामढ़ी जयबाक वास्ते ! एकटा प्लेटफार्म भरि दिन मालगाड़ी लेल रिजर्व जकाँ रहैत अछि!यानि बचल दू टा प्लेटफार्म आ ओ दू टा प्लेटफार्म पर औसतन 35 जोड़ी ट्रेन चलैत अछि! इ कतुक्का न्याय अछि! सुरक्षा के तँ कोनो बाते नहिँ ,कोनो एहन दिन नै बीतै छै जहिया एकटा लाश फल्ला बागी सँ नहिँ उतारल जायत अछि!जीआरपी एतेक नीक अछि जे तीन दिन तक जखन कोनो लाश पड़ल पड़ल दुर्गन्ध दियँ लगैत अछि तखन ओकर कोनो जोगाड़ लगैल जाइक छै!गंदगी आ दलालक कोनो टा कमी नहिँ छैक एहि स्टेशन पर!डिस्पले बोर्ड विगत छओ मास सऽ खराब अय।भारतीय रेलवे आ फेर ओ मरल बिहार सरकार आ केन्द्र सरकार सँ आग्रह जे जल्द सँ जल्द एहि पर ध्यान दैत टाइट कदम उठाबथि!

0 comments:

Post a Comment