नेपाल आ उत्तरी मिथिला मेँ चारि-पांच दिन सऽ भऽ रहल लगातार बारिश सऽ नदी सभक जलस्तर मेँ उछाल आयल हँ।भूतही बलान खतरा सऽ लगभग साढ़े पांच फीट ऊपर बहि रहल अय आ कोसी मेँ सेहो जलस्तर बढ़नाय शुरु भऽ गेल हँ।एम्हर कमला बलान सेहो खतराक निशान सऽ सवा फुट ऊपर बहि रहल अय।भूतही मेँ आयल उफान सऽ फुलफरास प्रखंडक बहुतो गाम मेँ बाढ़िक पानि आबि गेल हँ।बाढ़ि नियंत्रणक प्रमण्डलक सहायक अभियंता मुकेश कुमार बतौलेथ हँ जे अखन धरि सबटा तटबंध सुरक्षित अय ओतय ननपट्टी आ हनुमाननगर मेँ पइनक दबाबक कारणे कटाव भऽ रहल अय। एम्हर सोनबरसा मेँ झीमक जलस्तर बढ़ला सऽ एनएच 77 पर पानि बहि रहल अय आ एसएसबी कैँप संगे स्थानीय थाना मेँ सेहो पानि पइन पहुँच गेल हँ।लोकसभ राहत कार्य प्रशासनिक स्तर पर नय शुरु भेला सऽ आक्रोशित छैथ।
0 comments:
Post a Comment