सीपीआई(एमएल) मिथिलांचल मेँ केँद्रीय विवि के स्थापनाक मांग कयलक हँ।केँद्रीय कमेटी सदस्य सह मिथिलांचल प्रभारी धीरेन्द्र झा बीतल काल्हि प्रेस कांफ्रेँस के संबोधित करैत कहलैथ जे पटना-दिल्ली सरकार के अय मांगक पूर्ति यथाशीघ्र करबाक चाही।श्री झा कहलैथ जे ऐतिहासिक काल, मध्य काल आ अखनुका संदर्भ मेँ ज्ञान-विज्ञानक केँद्र आ बौद्दिक विमर्श के आधार पर मिथिलांचल केँद्रीय विवि के लेल सबसऽ उपयुक्त जगह अय। केँद्रीय विवि अय क्षेत्रक न्यायोचित जनाकांक्षा अय।मिथिलांचलक संग भेल नाइंसाफी आ उपेक्षाक खिलाफ आ केँद्रीय विवि के मांग पर छात्र,बुद्दिजीविक तरफ सऽ साझा अभियान चलाओल जायत।
0 comments:
Post a Comment