मुजफ्फरपुर : पहिल मैथिली चैनल, अपन तीन बरख पूरा कयलक। इ चैनलक हर सदस्य आ सहयोगी के सह्रदय धन्यवाद मुदा एकटा बात जे कियैक सौभाग्य मिथिला पर एक्को टा ढंगक सीरियल नहिँ, तीन-चारि बेर के साईँ आरती, उत्तराखंण्ड न्यूज बुलेटिन आ एहि तरहक ढेरो कार्यक्रम कियैक ? अखन धरि डीटीएच पर इ चैनल कियैक नहिँ आयल हँ ? की इ चैनलक आर्थिक स्थिति खराब अछि ? हमरा नहि लगैत अछि एहि चैनलक आर्थिक स्थिति खराब अछि कियैक तँ अगर इ बात रहितै तँ इ चैनल तीन बरख खेपबे नहिँ करितै! की मैथिली जगत मेँ नीक निर्देशक,संगीतकार, अभिनेता,अभिनेत्री,गायक,विलेन अर्थात् काज करय बला लोकक कमी अय वा इ चैनल अय तरहक प्रोग्राम बनाबय नय चाहैत अछि ? किछु लोकक कहब छन जे जतय किछु नय छल ओतय यदि एकटा चैनल आयल से नीक आ कि किछु नय छल से नीक ? हुनका लेल हमर इ जवाब जे नीक अछि चैनल आयल, किछु-किछु प्रोग्राम चलि रहल अय मुदा तीन बरख कम नय होय यै तखन फेर नीक प्रोग्राम अखन तक कियैक नय आबि रहल यै ? हम एहि चैनलक विरोधी नहि छी कियैक तँ यदि इ चैनलक प्रगति होयत तऽ हमहीँ-आहाँ देखब आ चैनलक लोकप्रियता बढ़त!
0 comments:
Post a Comment