अशोक पेपर मिल, दरभंगा के फिनिशिँग हाउस मेँ बीतल काल्हि सांझ 4 बजे आगि लगलबाक कारणे लगभग 20 टन कागज जरि के छाऊर भऽ गेल।अखन धरि आगि लगबाक कारण के पता नहिँ चलि सकल हँ,आशंका व्यक्त कैल जा रहल अय जे मजदूर सभ द्वारा बीड़ी-सिगरेट पीके फेँकबाक कारणे इ घटना घटल।मिल मेँ कार्यरत मजदूर आ अग्निशमन दस्ता के मददि सऽ दू घंटा मेँ आगि पर काबू पैल गेल।मिल केर चेयरमैन धर्म गोधा बतौलैथ जे कियौ जानि बूझि के कोनो ज्वलनशील पदार्थ कागजक ढ़ेर पर फेँक देलक।ओ कहलैथ जे असामाजिक तत्व सभक प्रयास छल जे पूरा मिल जरा दी लेकिन असफल रहला।ओ बतौलैथ जे इ घटना से लाखोँ के नुकशान भेल हँ।एम्हर घटनाक सूचना भेटत देरी एपीएम पुलिस घटनास्थल पर पहुँचि अपन छानबीन शुरु कऽ देलक हँ!
0 comments:
Post a Comment