समस्तीपुरक सरायरंजन मेँ 15 मेगावाट क्षमताक सौर ऊर्जा आधारित बिजलीघरक प्रस्ताव स्वीकृत भेल हँ।बिहार राज्य निवेश प्रोत्साहन बोर्ड अय प्रस्ताव पर अपन सहमति दऽ देलक हँ।अय परियोजना पर लगभग 100 करोड़ रुपया खर्च होयत आ 54 आदमी के प्रत्यक्ष आ लगभग 500 आदमी के अप्रत्यक्ष रोजगार भेटत।
अय प्रस्तावक बाद अय साल मेँ अखन धरि आधा दर्जन परियोजना के सरकारक हरियर झंडी भेट गेल हँ।बीतल अप्रैल मेँ पांच टा परियोजना के मंजूरी भेटल छल।अय मेँ 86 मेगावाटक परियोजना मधेपुरा,पश्चिमी चंपारण,बांका संगे सीवान,गया आ बक्सर मेँ लगाबय के योजना अय।अय परियोजना सभ मेँ 1136 करोड़ रुपयाक निवेश होयत आ लगभग 6000 लोक के सीधा रोजगार भेटत।नवका ऊर्जा नीति सऽ पावर सेक्टर मेँ निवेशक रफ्तार बढ़ि गेल हँ।उधमी बिजलीघर लगाबय मेँ अपन सकारात्मक रुख देखा रहल छैथ।खासकय सौर ऊर्जाक क्षेत्र मेँ मिथिला मेँ निवेशक सभक दिलचस्पी बढ़ल हँ।बता दी जे पिछलो बरख अमेरिका आ ब्रिटेन सऽ सौर ऊर्जा परियोजना लगयबाक प्रस्ताव सभ आयल छल।

0 comments:
Post a Comment