Saturday, August 11, 2012

नेपाल बार्डर सऽ जुड़त खजौली

खजौली(मधुबनी) बहुत जल्द नेपाल बार्डर सऽ दू लेनक सड़क सऽ जुड़त।इ महत्वपूर्ण सड़क कलुआही,बासोपट्टी होयत उमगांवक हरणे बार्डर से नेपाल के जोड़त।एकर मांग विधायक अरुण शंकर प्रसाद कयने छलैथ।श्री प्रसाद अपन गैर सरकारी संकल्पक माध्यमे बिहार विधानसभा मेँ अय मुद्दा के उठेयने छलैथ।बता दी जे एकटा विधायक एक सत्र मेँ मात्र एक टा गैरसरकारी संकल्प के माध्यमे जनहितक मुद्दा उठा सकैत छैथ।विधायक श्री प्रसाद क्षेत्रक आर्थिक,सामाजिक आ सांस्कृतिक विकास मेँ अय सड़कक उपयोगिता के देखत अय मुद्दा के उठौलैथ हँ।विभाग एकरा गंभीरता सऽ लेलक हँ।सदन मेँ पथ निर्माण मंत्री नंद किशोर यादव इ जानकारी देलैथ जे कार्यपालक अभियंता के प्रतिवेदन दयबा ले कहलैथ हँ,एकर विभागीय प्रक्रिया जल्द शुरु भऽ जायत।उल्लेखनीय अय जे खजौली मेँ रैक प्वाइंट आ खजौली के जिला के आन आन महत्वपूर्ण सड़क सऽ जुड़लाक कारणे,इ सड़क बहुत महत्वपूर्ण भऽ जायत कियैक तऽ अय सऽ जुड़ल पांच प्रखण्ड जिलाक अन्य महत्वपूर्ण सड़क सऽ सीधा जुड़ि जायत।

0 comments:

Post a Comment