अशोक पेपर मिल जरुर चालू होयत आ मिथिलाक विकास मेँ अपन सहयोग देत।इ बात विधान पार्षद डा॰ विनोद कुमार बीतल काल्हि कहलैथ।डा॰ कुमार अय मिल मेँ स्थित 35 हजार वोल्टक तार खीँचय जयबाक उद्घाटन कऽ रहल छलैथ।विधायक मदन सहनी कहलैथ जे अय मिल के चालू होयबाक लेल अय क्षेत्रक लोक बहुत उत्साहित छैथ आ हिनक सभक मनोकामना जल्द पूर्ण हेतन।अय मौका पर एपीएम के चेयरमैन धरम गोधाक संगे डा॰ परमानंद झा,रामनरंग महथा आदि उपस्थित छलैथ।
0 comments:
Post a Comment