Monday, August 13, 2012

ऐतिहासिक होयत मैथिली फिल्म फेस्टिवल

1 सऽ 4 नवंबर धरि दरभंगा मेँ होयबला पहिल मैथिली फिल्म फेस्टिवलक आयोजन ऐतिहासिक होयत।फेस्टिवल आयोजन समिति से कर्मठ आ समर्पित लोकक जुड़नाय अय बातक द्योतक अछि।फेस्टिवल के लेल अखन धरिक तैयारी सराहनीय रहल हँ।इ बात समिति के बीतल काल्हि बैसार मेँ मुख्य अतिथि फिल्म आ धारावाहिक निर्देशक संतोष बादल कहलैथ।ओ कहलैथ जे पिछला 50 बरख मेँ मैथिली भाषा मेँ फिल्म,डाक्यूमेँटरी आ धारावाहिकक र्निमाण होयत आबि रहल अय मुदा अखन धरि महोत्सव सनक कोनो समेकित प्रयास नहिँ भेल छल हँ।

ओ उम्मीद जतौलैथ जे अय फेस्टिवलक आयोजनक सऽ मैथिली फिल्म आदि सऽ निर्माणक जड़ता टूटत आ निर्माता निर्देशक सभक आ कलाकारक नव पीढ़ी आ पुरान पीढ़ी अय सऽ प्रोत्साहित भऽ नव ऊर्जा प्राप्त करत।बैठक केर अध्यक्षता कऽ रहल अजित आजाद कहलैथ जे कोनो भी आयोजनक सफलताक लेल पर्याप्त वित्तक आवश्यकता होयत छैक।ओ समिति के सभ सदस्य सऽ अय दिशा मेँ गंभीरतापूर्वक प्रयत्न करय के आह्रवान केलैथ संगे मिथिला आवाज समूह दिस सऽ फिल्म फेस्टिवलक सफल आयोजनक लेल एक लाख रुपया दैय के घोषणा कयलैथ!अय बैसार मेँ शशि मोहन भारद्वाज,मनोरंजन दुबे,वरुण कुमार,अमलेँदू शेखर पाठक आदि उपस्थित छलैथ!

0 comments:

Post a Comment