पटना। बिहारक मुख्यमंत्री श्रीनीतीशकुमार बिहारकें विशेषराज्यक दर्जा देबाबएक मांग दुहराबैत कहलाह की विकासक गतिकें तेज करएलेल, निवेश बढ़ाबएलेल आ लोकनिक आन बुनियादी सुविधा उपलब्ध कराबएलेल इ जरूरी अछि आ केन्द्र एहिं मांगकें अनदेखी नञिं कए सकत।
नीतीश काल्हि पटनास्थिन गांधी मैदानमें 66म स्वतंत्रता दिवस केर अवसर पर झंडोत्तोलनकें बाद एकटा समारोहकें संबोधित करैत कहलाह की बिहारक विकास दर 16 टका अछि, मुदा इ रफ्तार सं विकास भेला पर सेहो राष्ट्रीय औसत धरि पहुंचएमें कम सं कम 25 बरसक समय लागत। ओ कहलाह की हुनक सरकार विकासक सभटा पैमानाकें राष्ट्रीय औसत धरिं पहुंचाबएलेल एतएक दिन तक इंतजार नञिं करत।
श्रीकुमार कहलाह की केन्द्र सरकारके बिहारकें विशेषराज्यक दर्जा जल्दी सं जल्दी दऽ देबाक चाही। ओ कहलाह की विशेष राज्यक दर्जा भेंटए सं बिहारमें निजी क्षेत्र सं बेसी निवेश भऽ सकत आ केन्द्रक विभिन्न योजना सभलेल पहिनए सं बेशी राशि भेंटत। ओ कहलाह की केन्द्र प्रायोजित योजना सभमें बिहारसरकारके के अंश देबए पड़ैत अछि, विशेषराज्यक दर्जा भेंट गेला सं इ काफी कम भऽ जाएगा।