Thursday, August 16, 2012

बिहारक सभटा गाममें नञिं पहुंचल बिजली तें नञिं मांगब भोंटः नितीश

बिहारक मुख्यमंतत्री श्रीकुमार ६६म स्वाधीनतादिवसक अवसर पर पटनाक गाँधी मैदान सं बिहारवासी सभकें संबोधित करैत कहलाह की अगर ओ बिहारमें बिजलीक हालत नञिं सुधारि पओलाह, तें ओ २०१५क वि॰स॰ चुनावमें भोंट नञिं मांगताह।
बरौनीलेल कोयिला लिंक केर मांग ओ २००६ सं करैत छलाह, आ ओ आब भेंटल अछि। कोयिला लिंक भेंटलाक बाद आब ओहिंठाम २५०-२५० मे॰वा॰क २टा इकाई विकसित कएल जाओत। ओ कहलाह की बिहारमें निजी कंपनी सभ सेहो बिजली इकाइ लगा रहल अछि, आ आबएबला ३-४ सालमें बिहार बिजलीक मामलामें आत्मनिर्भर भऽ जाएत।