आब बॉलीउड अंग्रेजी नाम सं उबिया गेल अछि, एहन बुझाइत अछि। टिंकू, पिंकी, डॉली, बॉबी जकाँ अंग्रेजी नाम सभ आब बॉलीउड सँ धीरे-धीरे लोप भऽ रहल अछि। विपाशा बासू, इमरान हाश्मी आ इशा गुप्ताक नव हिन्दी फिल्म 'राज-३' आबि रहल अछि। एहिं फिल्ममें विपाशा बसूक नाम अछि 'मैथिली'। फिल्मक निर्देशक छथिं विक्रम भट्ट आ निर्माता - मुकेश भट्ट। फिल्मक मुख्य पात्र अछि - मैथिली। मैथिली एकटा सफल फिल्म नायिका अछि, जेकी बहुतो तरहक अवार्ड जीत चुकल अछि। ओकर प्रेम-संबंध एकटा सुंदर निर्देशक आदित्य (इमरान हाश्मी) सं अछि। बितैत बेरकें साथ, उ दुनूक बीचमें संजना (इशा गुप्ता) आबि जाइत अछि। ओकरा बाद आदित्य सेहो मैथिलीकें छोड़ि देइत अछि।
आब बॉलीउड में सेहो मैथिली