भारतक मिथिला क्षेत्रक बिहपुरकें नेपालक मिथिला क्षेत्रक बीरपुर सं जोड़एबला NH106 केर निर्माणक रस्ता साफ भए गेल अछि। भाजपा सांसद शाहनवाज हुसैनक अर्जी पर केंद्र सरकार 137 किलेमीटरक एहिं नेशनल हाइवेक 31 किमी 'मिसिंग लिंक' पर सड़क आ पुल निर्माण कराओत।
मधेपुरा जिलामें फुलौथ लग कोशीनदी पर पुलक निर्माण पर 700 करोड़ टका खर्च होएत। पुलक डिजाइन तैयार करएक जिम्मा आइआइटी रूड़कीकें सौंपल गेल अछि। कोसी पर बनएबला एहिं पुलक लंबाई 4 किमी होएत। एहिं पर करीब 700 करोड़ टकाक राशि खरच होएत, जेकी केंद्र सरकार वहन करत।
भागलपुर जिलाक बिहपुर सं नेपाल सीमा लग वीरपुर धरि एहिं फोर-लेन एन॰एच॰ क निर्माण वर्ल्ड बैंकक आर्थिक सहायता सं कएल जएबाक अछि। मुदा, बिहपुर सं फुलौथ (मधेपुरा जिला) धरि 31 किमीक लंबाई धरि पहिनए सं कोनो सड़क नञिं अछि। वर्ल्ड बैंक बहुत पहिनहीं स्पष्ट कए देने छलै की ओ 'मिसिंग लिंक' पर निर्माण नञिं कराओत। एहिं कारण सं भागलपुरके नेपाल सं जोड़एबला एहिं एनएच 106क निर्माण बाधित छल।
शाहनवाज हुसैन कहलाह की जदयूक राष्ट्रीय अध्यक्ष शरद यादवक साथ मिलिकए ओ केंद्रीय भूतल परिवहन मंत्री सीपी जोशीकें समक्ष इ समस्या उठओने छलाह। हुनक आग्रह पर श्री जोशी इ 31 किमी लंबा 'मिसिंग लिंक' पर सड़क आ पुलक निर्माण लेल राजी भए गेलाह। पुलक डिजाइन तैय्यार करए लेल आइआइटी रूड़कीकें केंद्र सरकार 50 लाख टकाक राशि सेहो दऽ देने अछि।