Saturday, August 18, 2012

बनि गेल कोसी पर रेल पुल,उद्घाटनक इंतजार

सरायगढ़-भपटियाही प्रखण्डक(सुपौल) सनपतहा गाम लग कोसी नदी मेँ बीतल 6 साल से आ 335 करोड़ रुपया सऽ बनायल जा रहल रेल महासेतु बनि कऽ तैयार भऽ गेल हँ।31 अगस्तक बाद अय महासेतु के रेलवे के सुपुर्द कैल जायत।1934 मेँ आयल प्रलंयकारी बाढ़ि सऽ मिथिला दू भाग मेँ बंटि गेल छल हँ।रेल महासेतु बनलाक बाद सरायगढ़-निर्मली रेलमार्ग फेर शुरु होयबाक बाट पर अय।


कोसी रेल महासेतुक निर्माण कोलकाताक तांतीय कन्सट्रक्शन बहुत संघर्षक बाद 39 टा पायाक निर्माण करौलक ओकरा बाद आगुक काज जीपीटी इंफा प्रोडक्ट लिमिटेड कयलक।रेल महासेतुक उद्घाटन यदि अय साल मेँ भऽ जाओत तऽ मिथिलावासी के साल भरि मेँ इ दोसर तोहफा भेटतन।बता दी जे अय सऽ पूर्व 8 फरवरी के कोसी सड़क महासेतु के उद्घाटन भेल छल।कोसी रेल परियोजना पर जून 2006 से काज शुरु भेल छल।लगभगि 6 साल मेँ इ महासेतु पूर्ण भेला सऽ मिथिलावासी बहुत प्रसन्न छैथ।

0 comments:

Post a Comment