इलाहाबाद/दरभंगा : प्रयागराज मेँ 14 जनवरी से शुरु होबय बला कुंभ मेला मेँ जायबला,खासकय मिथिलाक लोक लेल ओतर रुकय,भोजन करय लेल आ अन्य सुविधा लेल मिथिला कुंज वृंदावन द्वारा विशेष व्यवस्था कैल गेल हँ।श्री वृंदावन धाम मिथिला कुंज केर महंत किशोरी शरण वाल व्यास इ जानकारी देलैथ हँ।
ओ कहलैथ जे मिथिला क्षेत्र से कुंभ जायबला श्रद्धालु लेल इलाहाबाद मेँ लागय बला महाकुंब मेँ कोनो तरहक असुविधा नहिँ हो, एहि बातक ध्यान राखैत मिथिला कुंज प्रयागराज मेँ उत्तम आवास आ भोजनक व्यवस्था करबाक घोषणा कयलक हँ।15 फरवरी धरि चलय बला एहि कुंभ मेला मेँ नि:शुल्क आवास,भोजनक संगे मार्ग निर्देशनक व्यवस्था संस्था द्वारा कैल जा रहल अछि।ओ बतौलैथ जे कुंभ मेला मेँ संस्था द्वारा लगाबय जाय वला कैँप मेँ लगभगि दस हजार लोक के रुकय केर संगे आन आन सुविधाक व्यवस्था होएत।
ओ बतौलैथ जे मिथिला कुंज केर स्थापना 1946 ई॰ मेँ कैल गेल छल।पहिले एकर नाम राधा मोहन कुंज छल।मिथिला कुंज मेँ अखंड कीर्तन 33 बरख से जारी अछि एकरा संगे भोजनक स्थायी व्यवस्था सेहो बहुत दिन से चलि रहल अछि।

नीक प्रस्तुति !!
ReplyDeleteरजनीश जी, अपने के नीक लागल, ह्रादिक धन्यवाद! www.mithilaprime.tk visit karait rahi, aagrrah.
ReplyDeleteअंतरराष्ट्रिय मैथिली परिषद् क मैथिली कार्यकर्त्ता प्रशिक्षण शिविर सनातन संस्कृतिक महान अधिष्ठान प्रयागराज महाकुम्भमे मैथिलवाडामे (आ संभव भेल सिमरिया घाटक स्वामी चिदात्मनजीक शिविरमे सेहो जे प्रायः बड़े हनुमानजी लग रहैत छैक ) फरबरी 23-26 तक चलायल जायत -2 घंटक प्रतिदिन जाहिमे मिथिलाक इतिहास, भूगोल, संसाधन। राज्य कियैक? कार्यकर्ताक गुण ,सामाजिक समरसता, जनस्वास्थ्य आदिक संग मैथिलीगीता आदि सत्र रहत आ गोष्ठी मिथिला, मैथिलीक समस्या पर - हम स्वयं 2 दिन एहीमें रहब आ कल्प् कवि उमेश नारायण कर्ण चारू दिन रही तिरहुताक प्रशिक्षण देताह।
ReplyDeleteकार्यकर्ता एही दृष्टि स सम्पर्क करती आ प्रशिक्षित होइथि।अंतमे सबके प्रमाणपत्र देल जेतैन्ही दीक्षांतमें।
संपर्क करी- श्री विधु मिश्र (स्वर्गीय जयकान्त मिश्रक भातिज) - 9935048865
डॉ धनाकर ठाकुर - 09470193694