Thursday, November 29, 2012

सुसंपन्न भेल मिथिला विभूति पर्व समारोह

दरभंगा : मिथिला विभूति पर्व समारोहक तेसर आ अंतिम दिनक कार्यक्रमक उद्घाटन नेपाल सरकारक भूमि आ वन मंत्री यदुवंश झा बाबा विद्यापतिक मूर्ति पर माल्यार्पण कऽ केलैथ।ओ कहलैथ जे नेपाल आ मिथिलाक बीच सांस्कृतिक संबंध अति प्राचीन अछि आ एकरा और मजगूत बनाबय लेल दुनू क्षेत्रक लोककेँ प्रयत्नशील होमय टा पड़त।मुख्य अतिथि लनामिवि केर कुलपति डा॰ एसपी सिँह मिथिला-मैथिलीक विकास लेल सभ मैथिल सऽ अपन अवदान सुनिश्चित करय केर अपील केलैथ।दरभंगा नगर विधायक संजय सरावगी मिथिलाक समृद्ध धरोहरक संरक्षण पर जोर देलैथ।


अतिथि लोकनिक भाषणक बाद रंगारंग सांस्कृतिक कार्यक्रम भेल जे भोर ग्यारह बजे धरि चलैत रहल जेकर संचालन कमलाकांत झा आ रामसेवक ठाकुर केलैथ।रंजना झा सांस्कृतिक कार्यक्रमक आगाज केलथि जेकरा बाद वंदना झा,वीणा टाइटस,पूनम झा,विभा झा,शशिकांत,राम कुमार मल्लिक,सुमित कुमार मल्लिक,दुखी राम,कृष्ण कुमार ठाकुर,अद्भुदानंद,अवि­नाश कुमार कर्ण,सूर्य नारायण पोद्दार,अरविँद कुमार झा,रामबाबू झा,पुष्कर भारती झा आदि एक सऽ बढ़ि कऽ एक गीत प्रस्तुत कऽ श्रोताक भरपूर मनोरंजन केलनि।जखन कार्यक्रम समापन दिस बढ़ल ओकरा बाद कारुणिक समदाऊनक बरिसाइत भऽ गेल जाहि सऽ दर्शक
लोकनि भाव विभोर भऽ गेलैथ।

एहि सऽ पूर्व अमलेँदु शेखर पाठकक संचालन मेँ दोसर दिन विशाल कवि सम्मेलनक कार्यक्रम मेँ लगभगि चारि दर्जन कवि अपन कविता पाठ केलैथ जाहि मेँ शंकरदेवझा,जयप्रकाश चौधरी जनक,विद्याधर मिश्र,अनिल कुमार सिँह,रामसेवक ठाकुर,फूलचंद्र झा प्रवीण,अजित आजाद,अरविँद ठाकुर,दिलीप कुमार झा लूटन,हरिशचन्द्र हरित,अशोक कुमार मेहता,निक्की प्रियदर्शनी,श्वेता भारती,पंकज कुमार,प्रवीण कुमार मिश्र आदि प्रमुख छलैथ।कवि/­कवियित्रि लोकनि भागलपुर,मुजफ्फरपुर,समस्तीपुर आदि बहुतो ठाम सऽ आयल छलाह जे अपन नीक प्रस्तुति देलैथ।

0 comments:

Post a Comment