Wednesday, December 5, 2012

मिथिलाक मुद्दा कऽ लऽ 12 दिसंबर के धरना

मधुबनी : मिथिला विकास परिषद्क बैसार जिला कार्यालय चकदह मेँ बीतल काल्हि भेल।बैसारक अध्यक्षता जिलाध्यक्ष अजय यश करैत कहला जे राजनीतिक अंर्तगत राज्य सरकार द्वारा मैथिली आ मिथिलाक उपेक्षा कैल जा रहल अछि।भारत सरकार मैथिली भाषा के अष्टम अनुसूची मेँ स्थान देलक मुदा तैयौ अखन धरि मातृभाषा मेँ पढ़ाई प्राथमिक स्तर सऽ नहिँ शुरु भऽ सकल हँ।एहि सभ मुद्दा कऽ लऽ मिथिला विकास परिषद् 12 दिसंबर केँ समाहरणालय पर धरना-प्रदर्शनक निर्णय लेलक हँ।एहि धरनाक माध्यमेँ मैथिलीक पढ़ाई प्राथमिक स्तर सऽ शुरु करबाक मांग,उत्तर बिहार क्षेत्रीय ग्रामीण बैँकक नाम बदलि कऽ मिथिला क्षेत्रीय ग्रामीण बैँक करबाक मांग,बिहार गीत मेँ मिथिलाक वर्णन करय केर मांग प्रमुख अछि।एहि बैसार मेँ राजू राज,चांदनी कुमारी,जितेन्द्र झा,विनोद साहु,रत्नेश श्रीवास्तव आदि उपस्थित छलाह।

0 comments:

Post a Comment