रेल प्रशासनक उपेक्षाक दंश झेल रहल अछि समस्तीपुर-खगड़िया रेलखंड।एहि रेलखंड पर ट्रेनक कमी केर कारण यात्रीकेँ प्रतिदिन परेशानी होइत अछि। एहि रेल खंड केँ छोटी रेल लाइन सऽ बड़ी रेल लाइन में बदलि देबाक बाद सऽ ही विषम स्थिति अछि। ट्रेनक कमी आ यात्रीक भीड़केँ कारण रोसड़ा संगे विभिन्न स्टेशन पर यदाकदा यात्रीकेँ दुर्घटनाग्रस्त होइक समाचार अबैत रहैत अछि। बता दी जे क्षेत्रवासी केर एहि मांग पर एहि रेलखंड केँ बरखो पूर्व छोटी रेल लाइन सऽ बड़ी रेल लाइन मे बदलि देल गेल। काज पूरा होइत देरी लोक सभमे रेलवे सुविधाक एकटा आशा जागल। समस्तीपुर, दरभंगा आ पटना संगे पैघ दूरीक यात्रा सुलभ होइक आश मन में जागल मुदा एहि सऽ ठीक उल्टा लोककेँ सुविधा असुविधा में बदलि गेल हँ। सप्ताह में एक-दू दिन पैघ दूरी केर ट्रेन तऽ अवश्य चलल मुदा पूर्व सऽ खगड़िया-समस्तीपुर के बीच भोर आ राति में चलय वला ट्रेन के बंद कऽ दयबा सऽ लोककेँ बहुत परेशानीक सामना करय पड़ि रहल अछि। पूर्व में समस्तीपुरक लेल लगभगि 5 बजे भोर में रोसड़ा स्टेशन सऽ ट्रेन भेटैत छल जे पटना तक जाय वला यात्री केर लेल सुविधा जनक छल।ओतय समस्तीपुर सऽ 9 बजे राति में एकटा ट्रेन प्रतिदिन चलैत छल। बड़ी रेल लाइन बनलाक बाद एकरोपरिचालन बंद भऽ गेल जे एहि रेलखंडक यात्रीकेँ लेल परेशानीक कारण बनि गेल। 6 बजे सांझक बाद खगड़िया दिस आबय-जाय लेल एक्को टा ट्रेन नहिँ रहबाक कारणे यात्री केँ मच्छरक आगोश में स्टेशन पर राति गुजारय पड़ैत अछि। सर्वदलीय संघर्ष समितिक बैनरक अंर्तगत स्थानीय लोक द्वारा एहि परिचालनक लेल बेर बेर आंदोलन सेहो कैल गेल। रोसड़ा पहुंचल विभागक पैघ अधिकारी द्वारा एहि संबंधित आश्वासन देल गेल जे अखन धरि मात्रे कोर कागज साबित भेल हँ। दोसर दिस दैनिक यात्री संघ यात्री सुविधाक ध्यान मेँ रखैत खगड़िया दिस सऽ भोर में आ समस्तीपुर दिस सऽ राति में एक जोड़ी ट्रेन चलयबाक मांग वरिष्ठ पदाधिकारीक संग रेल मंत्री धरि केलैथ। एहि मांग केँ लऽ कऽ संघ लगातार चरणबद्ध आंदोलन चलेलक बावजूद एकर कोनो असरि नहि देखल गेल हँ जाहिँ सऽ स्पष्ट अछि जे रेलक पैघ अधिकारी एहि रेलखंड सऽ अपना मुंह मोड़ि लेलैथ हँ। एम्हर सर्वदलीय संघर्ष मोर्चा फेर एक बेर आंदोलनक करय मेँ लागल अछि। बहुत जल्द एकर बैसार कऽ रणनीति तैयार कैल जाओत।
उपेक्षाक दंश झेलि रहल अछि समस्तीपुर-खगड़िया रेलखंड
रोसड़ा/समस्तीपुर/खगड़िया :

0 comments:
Post a Comment