जानकीनगर में रैक प्वाइंट बनयबाक मांग
जानकीनगर (पूर्णिया) : पूर्व मध्य रेलवेक जानकीनगरमे माल गोदामक संग रैक प्वाइंट बनाबय केर मांग जोर पकड़ैत जा रहल अछि। जानकीनगर रेल विकास मंचक सदस्य आ पदाधिकारी इ जानकारी देलैथ जे पूर्णिया जंक्शन आ मधेपुराक बीच एक्को टा रैक प्वाइंट नहीं अछि। एहि लेल बनमनखी अनुमंडल क्षेत्रक व्यवसायी आ किसानक हित में एतय माल गोदामक संग रैक प्वाइंटक निर्माण प्राथमिकताक आधार पर कैल जेबाक चाही। भेटल जानकारीक अनुसार बरखो पहिले बनमनखी जंक्शन सऽ इ सुविधा उपलब्ध छल मुदा एहन चर्चा अछि जे आमान परिवर्तनक दौरान माल गोदाम संग रैक प्वाइंट निर्माण कार्यक अवहेलना कैल जा रहल अछि। एहि चर्चा सऽ क्षेत्रीय किसान आ व्यापारी सभमे रोष देखल जा रहल अछि। किसान सभक मानी तऽ एहि इलाका सऽ मकई, जूट, बांस, चौड़, गहूंम आदि बाहर भेजल जाइत अछि। एतबा नहिँ प्रारंभिक काले सऽ क्षेत्रीय व्यापारी बाहर सऽ सीमेंट, खाद, गिट्टी, बालू, स्टोन, चिप्स आ अन्य खाद्यान्न सहित बहुतो निर्माणक सामग्री बाहर सऽ मंगाबैत रहला हँ। किछु मास पूर्व समस्तीपुर सऽ जानकीनगर पहुंचल डिप्टी चीफ इंजीनियरक ध्यान एहि तरफ आकृष्ट कराओल गेल छल, जाहिमे प्रतिनिधि मंडल द्वारा स्टेशन सऽ पूब खूंट आ महाराजी गाम दिस जाय वला प्रधानमंत्री सड़क केँसीधा करैत बिंदेश्वरी प्रसाद यादव आ लखन ठाकुरक घरक लग समपार फाटक बनाबय आजनहित आ व्यवसायिक दृष्टिकोण सऽ जानकीनगर में माल गोदाम संग रैक प्वाइंट बनाबयक मांग कैल गेल छल।
0 comments:
Post a Comment