Tuesday, December 4, 2012

अंतहीन सड़क

लखीसराय/समस्तीपुर : अंतहीन सड़क केर लेखक संजय कुमार अविनाश सफलताक एकटा आउर ऊंचाई के छुलैथ हँ। दू दिसंबर 12 केँ ओ इ किताबक रचना कऽ लऽ पद्मश्री राष्ट्रकवि दिनकर साहित्य सम्मान सऽ पुरस्कृत कैल गेला हँ। मैथिली कवि विद्यापति जीक तपस्थली शेरपुर, समस्तीपुर में तरूण सांस्कृतिक चेतना समिति के तत्वावधान में आयोजित समारोह में हुनका सम्मानक रूप में स्मृति चिन्ह आ प्रशस्ति पत्र देल गेलन्हि। साहित्य सृजन मंच, बछवाड़ाक अध्यक्ष संग बिहार पेंशनर समाज, बछवाड़ा के सहसचिव डा. शैलेंद्र त्यागी आ सैनिक मिशन केर निदेशक डा. रामलखन राय संयुक्त रूप सऽ संजय कुमार अविनाश केँ पद्मश्री राष्ट्रकवि दिनकर साहित्य सम्मान सऽ अलंकृत केलैथ। एहि सऽ पहिले एहि बरख गजियाबाद में संपन्न 20म् अखिल भारतीय हिन्दी साहित्य सम्मेलन में हुनका बरखक दुष्यंत कुमार स्मृति सम्मान सऽ सम्मानित कैल गेल छलन। बताबी जे जिलाक मेदनी चौकी, वंशीपुर निवासी संजय कुमार अविनाश अंतहीन सड़क कऽ रचना केलैथ हँ जे वेश्यावृत्ति पर विमर्शक किस्सा अछि। कम उम्र आ समय में हुनक एहि उपलब्धि कऽ लऽ साहित्य जगत में दूरी मानल जा रहल अछि।

0 comments:

Post a Comment