मिथिला क्षेत्रक विद्यालय मेँ होएत मैथिलीक पढ़ाई
मधुबनी/पटना : विधान परिषदक सदस्य विनोद कुमार चौधरी केर ध्यानाकर्षण प्रस्तावक जवाब में शिक्षा मंत्री मिथिलाक विद्यालय में भविष्य में मैथिली विषयक पढ़ाई केर आश्वासन देलैथ हँ। चौधरी इ मामला उठाबैत कहला जे मैथिली मातृभाषाक रूप में बाजल जाइत अछि। केन्द्र सरकार एकरा संवैधानिक दर्जा दैत संघ आ बिहार लोक सेवा आयोगक पाठ्यक्रम में शामिल केलक हँ, मुदा मिथिलाक प्राथमिक विद्यालय में मैथिलीक पढ़ाई शुरू नहिँ भऽ सकल अछि। ओ सभापतिक माध्यम सऽ मैथिलीक पढ़ाई आ शिक्षकक नियुक्ति केर संबंध में सरकार सऽ वक्तव्य दियैबाक मांग कयने छलाह। चौधरीक प्रश्न केर उत्तर दैत राज्यक शिक्षा मंत्री प्रशांत कुमार शाही कहलैथ जे प्राथमिक विद्यालय में बच्चा केँ हुनक मातृभाषा में पढ़ाई केर व्यवस्था होयबाक चाही। एहि बात केँ ध्यान में रखैत राज्यक प्रारंभिक विद्यालय में स्थानीय शिक्षकक नियोजन कैल जा रहल अछि। एहि सऽ स्थानीय लोक भाषाक उपयोग विद्यालय में होइत अछि। कालांतर में हिन्दी आ उर्दू भाषा सऽ प्रारंभिक शिक्षाक व्यवस्था अछि। चौधरीक पूरक प्रश्नक उत्तर में मंत्री भविष्य में मैथिली भाषाक पढ़ाई मिथिला क्षेत्र में शुरू कैल जाओत।
0 comments:
Post a Comment