मधुबनीक लखनौर प्रखण्डक तमुड़िया निवासी 33 वर्षीय रणधीर झा मुंबई मेँ व्यवसाय करैत छथि।इ 5 करोड़क लागति सऽ पंडौल मेँ दूध प्रसंस्करणक उद्योग शुरु करय वला छैथ।हिनक कहब छन जे मैथिल केँ बाहर मेँ 100-200 रुपया लेल भरि दिन खटैत देखलौ तऽ बड्ड खराब लागल।
दरभंगाक कुर्सो-नदियामी गामक अशोक कुमार मिश्रा जमशेदपुर मेँ उद्योग चलौबैत छथि इ पंडौल मेँ एक करोड़क लागति सऽ इंजीनियरिँग आ मिनरल्स उद्योग लगा रहल छथि।इ कहैत छथि जे मिथिला मेँ लोहा गलाबय लेल एतेक कच्चा मालक प्रचुरता अछि जे हम एतय सऽ मंगा कऽ जमेशदपुर मेँ उत्पादन करैत छी।
दरभंगाक विनय चंद्र झा गुजरात मेँ डिटरजेँट व्यवसायी छैथ।इहो एक करोड़क लागति सऽ पंडौल मेँ फैक्ट्री लगा रहल छथि।हिनका सभक अलावे बहुतो लोक आवेदन दऽ चुकल छथि।
बियाडा दरभंगा केर विकास अधिकार सौम्य वर्मा केर कहब छन जे मिथिलाक उद्योगपति जे मिथिला सऽ बाहर उद्योग चला रहल छथि हुनका सभ मेँ मिथिला मेँ उद्योग लगाबय के प्रवृत्ति बढ़ि रहल छनजे मिथिलाक लेल शुभ संकेत अछि।किछु लोककेँ प्लाट लेल आवंटन कैल गेलन हँ जे काजो शुरु कऽ देलैथ हँ।
0 comments:
Post a Comment