मिथिला विभूति पर्व 8 दिसंबर केँ
नई दिल्ली : राष्ट्रीय राजधानी क्षेत्र मेँ प्रवासी मैथिल लगातार मिथिला-मैथिलीक नाम पर आयोजन करैत रहला हँ। ओहि क्रम के आगू बढ़ाबैत सामाजिक आ सांस्कृतिक संस्था मैथिल स्वयंसेवक संघक तत्वावधान मेँ मिथिला विभूति पर्वक आयोजन 8 दिसंबर, शनिदिन केँ दुर्गा चौक,प्रेमनगर,किराड़ी,दिल्ली- 86 मेँ होएत। एहि रंगारंग सांस्कृतिक कार्यक्रमक मुख्य अतिथि श्री कृपानाथ पाठक(भूतपर्व मंत्री,बिहार सरकार) श्री महाबल मिश्रा (पश्चिमी दिल्लीक सांसद) श्री अनिल झा (विधायक,किराड़ी,दिल्ली) श्री अशोक झा (मिथिला विकास परिषद्क अध्यक्ष) पूनम झा आजाद (उपाध्यक्ष, भाजपा दिल्ली) संगे बहुतो आगत अतिथि रहता। सुमन ठाकुर बतौलैथ जे कार्यक्रमक माध्यमेँ नजदीकक एकटा सड़कक नामकरण विद्यापति मार्ग करबाक मांग कैल जाओत। सुमन ठाकुर बतौलैथ जे कार्यक्रमक तैयारी अंतिम चरण मेँ अछि संगे ओ मिथिला प्राइमक माध्ययमे तमाम मैथिल केँ कार्यक्रमक हकार देलैथ।
0 comments:
Post a Comment