Friday, December 7, 2012

आकाशवाणी दरभंगा केर प्रसारण समय बढ़ल

दरभंगा : आकाशवाणी दरभंगा केर प्रसारण समय एक घंटा 45 बढ़ल गेल अछि। एहि कारणवश आब तीन सभाक बदले दू टा सभाक प्रसारण होएत।कार्यक्रम अधिशासी प्रभात नारायण झा बतौलैथ जे पहिल आ दोसर सभा केर अंतर आब समाप्त भऽ गेल हँ। आब दिनक सवा दस बजे सऽ बारह बजे धरि सेहो प्रसारण होएत ।ओ कहलैथ जे बढ़ाओल गेल प्रसारणक समय मेँ श्रोताक लेल ज्ञानवर्धक,रोचक आ मनोरंजक कार्यक्रम प्रसारित कैल जाओत। बता दी जे इ बढ़ल प्रसारण अवधि आइ सऽ शुरु भेल हँ।

0 comments:

Post a Comment