Friday, December 7, 2012

मिसाइल मैन ऐता दरभंगा

दरभंगा : पूर्व राष्ट्रपति डा॰ एपीजे अब्दुल कलाम 23 दिसंबर के अपन दू दिवसीय दौरा पर दरभंगा ऐता। विकसित भारत फांउडेशनक तरफ सऽ होबय वला दू दिवसीय समारोहक पहिल दिन 23 दिसंबर केँ लहेरियासराय स्थित कमला नेहरु लाइब्रेरी परिसर मेँ पूर्व राष्ट्रपति शिक्षाविद, शिक्षक आ सामान्य कार्यकर्ता के संबोधित करता। विकसित भारत फाउंडेशनक आयोजक मानस बिहारी वर्माक अनुसार 24 दिसंबर केँ लहेरियासराय स्थित नेहरु स्टेडियम मे मेगा साइंस फेयरक उद्घाटन बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार करता। एहि साइंस फेयर मे पूर्व राष्ट्रपति आ वैज्ञानिक स्थानीय छात्र केँ संबोधित करता।

0 comments:

Post a Comment