Saturday, December 8, 2012

पृथक मिथिलाक मांग कऽ लऽ होएत धरना-प्रदर्शन

नई दिल्ली : अंर्तराष्ट्रीय मैथिली परिषद्क तत्वावधान मेँ आगामी 10 दिसंबर केँ जंतर मंतर पर एकदिवसीय धरना-प्रदर्शनक माध्यमे पृथक मिथिला राज्यक मांग के बुलंद कैल जाओत । अंतर्राष्ट्रीय ­ मैथिली परिषद्क अध्यक्ष डॉ कमलकांत झा दिल्ली पहुंच चुकल छथि। अंतराष्ट्रीय मैथिली परिषद्क प्रमुख डा॰ धनाकर ठाकुर एहि एकदिनी धरना मेँ बेसी सऽ बेसी मैथिल आ खास कय दिल्लीक मैथिल के आबय के अपील करैत कहला मोन राखी जे कोनो राष्ट्र निर्माण अनुशासन पसिन कार्यकर्ता द्वारा होइत अछि , अपन मानसिक तैयारी सऽ आबी। ओ कार्यकर्ता सऽ अपील केलैथ जे शांतिपूर्ण मिथिलाक गौरवमंयी परम्पराक अनुसार व्यवहार हेबाक चाही।डा॰ ठाकुर कहला जे जावत धरि मिथिलाक मांग नहिँ मानल जाएत, धरना-प्रदर्शन जारी रहत।

0 comments:

Post a Comment