उद्घाटन समाहोरक बाद मैथिली लोकगीतक बरसाइत होमय लागल।मैथिली मंचक स्थापित कलाकार कुंजबिहारी मिश्र द्वारा प्रस्तुत गोसाउनिक गीत 'जय जय भैरवि असुर भयाओनी' सऽ एकर शुरुआत भेल।एकरा बाद अरविँद कुमार झा, कृष्ण कुमार ठाकुर, नंद शंकर झा, खुशबू कुमारी,सुरेश पंकज,रामसेवक ठाकुर आदि अपन जोरदार प्रस्तुति देलैथ।एहि अवसर भव्य कवि सम्मेलन मेँ कवि लोकनि सेहो काव्य पाठ सऽ श्रोताकेँ गुदगुदाबैत रहला।
मिथिलाक संस्कृति बहुत समृद्ध अछि : राकेश कुमार मिश्र
दरभंगा : अपर पुलिस महानिदेशक राकेश कुमार मिश्र कहलैथ हँ जे विद्यापति कालजयी रचनाकार छैथ। हुनक साहित्य सिर्फ साहित्य टा नहिँ, बल्कि समाज के निर्देशित करय वला अछि। बीतल शनिक राति मनीगाछी मेँ आयोजित विद्यापति पर्व समारोहक उद्घाटन करैत श्री मिश्रा कहलैथ जे मिथिलाक धरती विद्वान आ ऋषिक धरती रहल अछि। एहि मौका पर वरीय उपसमाहर्ता बालमुकुंद प्रसाद,कमलाकांत झा, बैद्यनाथ चौधरी बैजू, जीवकांत मिश्र, बीडीओ, सीओ, थानाध्यक्ष आदि सेहो उपस्थित छलैथ।
उद्घाटन समाहोरक बाद मैथिली लोकगीतक बरसाइत होमय लागल।मैथिली मंचक स्थापित कलाकार कुंजबिहारी मिश्र द्वारा प्रस्तुत गोसाउनिक गीत 'जय जय भैरवि असुर भयाओनी' सऽ एकर शुरुआत भेल।एकरा बाद अरविँद कुमार झा, कृष्ण कुमार ठाकुर, नंद शंकर झा, खुशबू कुमारी,सुरेश पंकज,रामसेवक ठाकुर आदि अपन जोरदार प्रस्तुति देलैथ।एहि अवसर भव्य कवि सम्मेलन मेँ कवि लोकनि सेहो काव्य पाठ सऽ श्रोताकेँ गुदगुदाबैत रहला।
उद्घाटन समाहोरक बाद मैथिली लोकगीतक बरसाइत होमय लागल।मैथिली मंचक स्थापित कलाकार कुंजबिहारी मिश्र द्वारा प्रस्तुत गोसाउनिक गीत 'जय जय भैरवि असुर भयाओनी' सऽ एकर शुरुआत भेल।एकरा बाद अरविँद कुमार झा, कृष्ण कुमार ठाकुर, नंद शंकर झा, खुशबू कुमारी,सुरेश पंकज,रामसेवक ठाकुर आदि अपन जोरदार प्रस्तुति देलैथ।एहि अवसर भव्य कवि सम्मेलन मेँ कवि लोकनि सेहो काव्य पाठ सऽ श्रोताकेँ गुदगुदाबैत रहला।
0 comments:
Post a Comment