'नगर विकास आ आवास विभाग' आब फ्लैट निर्माणक मंजूरी लेल राज्य मंत्रिपरिषदके प्रस्ताव भेजबाक तैयारीमें अछि. बिहार राज्य आवास बोर्ड दिस सँ पहिल चरणमें 25,000 आवास बनाओल जाएत.
जल्दीए राज्य मंत्रिपरिषद सँ एहिं दिशामें मंजूरी भेंटबाक संभावना अछि. प्रथम चरणमें पटना, भागलपुर, गया आ मुजफ्फरपुरमें 18000 फ्लैट बनाओल जाएत.
पटनामें 4500 (साढ़े चारि हजार)
भागलपुरमें 500 (पांचि सओ)
गयामें 10,000(दस हजार)
मुजफ्फरपुरमें 3000 (तीन हजार)
एकरा अलाबा आर दू टा जिलामें 7000 आवास बनाबएक सेहो स्वीकृति भेंटए बला अछि.
0 comments:
Post a Comment