Monday, December 10, 2012

मिथिला राज्यक मांग कऽ लऽ जंतर-मंतर पर प्रदर्शन

नई दिल्ली : मिथिला राज्यक मांग कऽ लऽ मिथिला राज्य संघर्ष समितिक तत्वावधानमे जंतर-मंतर पर शांतिपूर्ण प्रदर्शन कैल गेल। वक्ता लोकनि द्वारा सरकार पर आंदोलन के अनठाबय केर आरोप लगाओल गेल। वक्ता लोकनि कहला जे सरकार हिंसात्मक आंदोलन के तवज्जो दऽ रहल अछि ओतय गांधीवादी विचारधारा पर आधारित मिथिला राज्यक मांग के अनठा रहल अछि। एहि रवैया सऽ मिथिलाक नव पीढ़ी मे असंतोष अछि। कार्यक्रम मे देशभरि सऽ लोक सभ पहुंचल छलैथ।

एहि मौका पर मिथिला राज्य संघर्ष समितिक अध्यक्ष डा. सत्यनारायण महतो कहलैथ जे भारत में 1954 केर बाद सऽ बहुतो राज्यक निर्माण भेल मुद सभ बेर मिथिला राज्यक मांग के अनठा देल गेल। ओ कहलैथ जे मिथिलाक हिस्सा में जाहि अनुपात में विकास होयबाक चाही छल, से आइ धरि नहिँ भेल हँ। ओतय समितिक महासचिव प्रो. उदय शंकर मिश्रा सेहो सरकार सऽ शीघ्र मिथिला राज्यक घोषणा करबाक मांग केलैथ।

अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषद्क संस्थापक डॉ. धनाकर ठाकुरक मुताबिक राज्यक निर्माण मे देरी सरकार केँ राष्ट्रीय सुरक्षा कऽ लऽ महंग साबित भऽ सकैत अछि। ओ कहलैथ जे मिथिला क्षेत्रक बदहाली केर कारण ओतुक्का लोकसभ जीवन यापन करबाक लेल दोसर राज्य में विस्थापित होयबा पर मजबूर छथि। समितिक संयोजक कौशल कुमार कहलैथ जे मिथिला में रोजगार आ शिक्षाक स्थिति बहुत खराब अछि। कार्यक्रम मेँ भुवनेश्वर प्रसाद, डॉ. बुचरु पासवान, कमल कांत झा, विजय चंद्र झा, जगदीश शर्मा, भीम सिंह मैथिल ,विकास ठाकुर, सागर मिश्र, इंद्रजीत राय संगे सैकड़ो मैथिल उपस्थित छलैथ। एहि मौका पर मैथिलीक द्विमासिक पत्रिका मिथिलांचल टुडे केर टीम सेहो धरनाक समर्थन करबाक लेल आयल छल।

6 comments:

  1. sir ji hamar mo- san je sambhav bhel se apnek sabhak samne , khoj - khabair ke sang delo , ee bahut kam achhi ahan lokain kichhu besi jankari ke jigyasa rakhi , mithila hetu , bahut dukh bhel janhan dekhlo delhi , N C R me lagbhag 30.00.000 san jayda maithili rahait chhathi , muda jantar - mantar par muskil san 150 ke kariv , ena me kona sambhav hoiyt , mithila rajay , sharm ke bat achhi , maithil hetu

    ReplyDelete
  2. सहमत छी मदन जी! विद्यापति पर्वक नाम पर गीत संगीत सुनय लेल जाएत छैथ आ ओतय थोपड़ी आ पिहकारी मारता से थीक लगैत छन मुदा मिथिलाक नाम पर दू बेर चिचयेता तऽ की भऽ जतन की पता ? गाम-गाम नगर-नगर विद्यापति पर्व मनौबैत छथि मुदा जखन मिथिला पर्वक बात अबैत छैथ तऽ बिला जाइत छैथ। प्रवासी मैथिलक संख्या दिल्ली मेँ लाखोँ से बेसी अछि मुदा पहुंचला 200 आदमी ? फेसबूकक इंवेट पर 302 आदमी गोँविँग लिखला मुदा 10% आदमी नहिँ अयला। मैथिल जावत धरि नहिँ जगता मिथिलाक विकास असंभव अछि!

    ReplyDelete
  3. Paigh Ladai lel saidhaantuik gyaan aa samarpan chahee.

    ReplyDelete
  4. E report ta apne ke thik lagal :-)

    ReplyDelete
  5. ee report theek achhi. Vikas ultapulta likhi gelah, hadbadeeme gelah aa kakros suni likhi delah.
    Lok bhanhi kam rahl ho pahil ber yuvak dharna me anek ayalah- pahinhu Kripanand, Bhavesh,Anand aadi sakriy rahot chhalah mudaa ehi ber yuvakk dayara badhal chhalik- kareeb 400 yuvak fb par ayabka sochlaah je shubh sanket achhi. awashyaktaa chhaik har galeeme AMP unit ke takhne lok etah Vidayapati parveey maithil jateey sammelan jankaa prakriti chhaik je bhoj bhat, nach-gan, netak khushamad s adhik nhi kay sakait chhahti..

    ReplyDelete