मिथिला राज्यक लेल 22 जनवरी केँ धरना-प्रदर्शन
समस्तीपुर : मिथिला राज्य संघर्ष समिति आ अंर्तराष्ट्रीय मैथिली परिषद, दलसिँहसरायक तत्वावधानमे मिथिला राज्य गठनक मांगकेँ लऽ दलसिँहसरायक महावीर चौक पर 22 जनवरीकेँ धरना-प्रदर्शन कएल जाएत। एहिमे परिषद् आ समितिक कतेको वरीय नेता भाग लेता। इ जानकारी परिषद्क अध्यक्ष नागेँद्रनाथ चौधरी आ समितिक अध्यक्ष सत्यनारायण महतो देलनि अछि। श्री चौधरी अनुसार मिथिला राज्य गठधक मांग बहुत पुरान अछि मुदा सरकार द्वार एहि पर गंभीरता सऽ विचार नहिँ कएल जा रहल अछि। ओतहि पौराणिक मान्यता आ सर ग्रियर्सन द्वारा 1902 ई॰ मे कएल गेल भारतीय भाषा सर्वेक्षणक आधार पर बिहार आ झारखण्डक 30 टा जिला मैथिली भाषी क्षेत्र अछि। जकरा मिला कऽ आजादीक समयेसँ भांग कएल जा रहल अछि। एहि आंदोलनक सूचना स्थानीय प्रशासनकेँ दऽ देल गेल अछि। संगहि एहिसँ संबंधित ज्ञापन राष्ट्रपति, प्रधानमंत्रीक संग बिहारक मुख्यमंत्री केँ सेहो पठाओल जाएत।
0 comments:
Post a Comment