एहि मांगकेँ लऽ कऽ राष्ट्रपति आ केँद्रीय गृहमंत्रीकेँ सेहो पत्र पठाओल गेल अछि। मिथिला राज्यक मांग लेल भारतमे कार्यरत विभिन्न संस्थान आ मिथिलाक लोककेँ बजा कऽ कोलकातामे आंदोलनक रुप रेखा तैयार कएल जाएत। ओ कहलनि जे बिहारक वर्तमान सरकारसँ मिथिलाक लोककेँ बड्ड आशा छल मुदा बिहारक अन्य जिलाक मोकाबिलामे मिथिला क्षेत्रक विकास दर बहुत कम अछि। श्री झा दावा केलनि जे पृथक मिथिला राज्ये एहि क्षेत्रक सर्वाँग विकासक एकमात्र विकल्प अछि।
तेलांगना संग मिथिला राज्यपर सेहो निर्णय लिअए केँद्र
कोलकाता : केँद्र जौँ तेलांगना राज्यक गठनक लेल तत्पर भऽ सकैत अछि तऽ मिथिलाक 24 गोट लोकसभा क्षेत्र आ 152 ट विधानसभा क्षेत्रमे बसनिहार छओ करोड़सँ बेसी आबादी वला एहि क्षेत्रक लेल मिथिला राज्य किएक नहि गठित कएल जा सकैत अछि ? इ प्रश्न उठौलनि कोलकातामे मिथिला विकास परिषद्क अध्यक्ष अशोक झा। ओ बृहस्पति दिन कहलनि जे मिथिला राज्यक गठन ऐतिहासिक, साहित्यक आ भौगोलिक आधार पर अनिवार्य अछि। एहि राज्यक गठनक लेल वैशाली, मुजफ्फरपुर, चंपारण, गोड्डा, भागलपुर, दरभंगा संगे सभ ठाम पैघ स्तर पर आब अंतिम लड़ाइ लड़बाक बेर आबि गेल अछि।
एहि मांगकेँ लऽ कऽ राष्ट्रपति आ केँद्रीय गृहमंत्रीकेँ सेहो पत्र पठाओल गेल अछि। मिथिला राज्यक मांग लेल भारतमे कार्यरत विभिन्न संस्थान आ मिथिलाक लोककेँ बजा कऽ कोलकातामे आंदोलनक रुप रेखा तैयार कएल जाएत। ओ कहलनि जे बिहारक वर्तमान सरकारसँ मिथिलाक लोककेँ बड्ड आशा छल मुदा बिहारक अन्य जिलाक मोकाबिलामे मिथिला क्षेत्रक विकास दर बहुत कम अछि। श्री झा दावा केलनि जे पृथक मिथिला राज्ये एहि क्षेत्रक सर्वाँग विकासक एकमात्र विकल्प अछि।
एहि मांगकेँ लऽ कऽ राष्ट्रपति आ केँद्रीय गृहमंत्रीकेँ सेहो पत्र पठाओल गेल अछि। मिथिला राज्यक मांग लेल भारतमे कार्यरत विभिन्न संस्थान आ मिथिलाक लोककेँ बजा कऽ कोलकातामे आंदोलनक रुप रेखा तैयार कएल जाएत। ओ कहलनि जे बिहारक वर्तमान सरकारसँ मिथिलाक लोककेँ बड्ड आशा छल मुदा बिहारक अन्य जिलाक मोकाबिलामे मिथिला क्षेत्रक विकास दर बहुत कम अछि। श्री झा दावा केलनि जे पृथक मिथिला राज्ये एहि क्षेत्रक सर्वाँग विकासक एकमात्र विकल्प अछि।
0 comments:
Post a Comment