जनकपुर : मैथिली संस्कृतिमे लोक गायन परम्परा विषयक दू दिवसीय कार्यक्रम बुध दिनसँ जनकपुरमे शुरु भेल अछि। ओ कार्यक्रमके पहिल दिन शास्त्रीय गायक रामसोभित राउतक एकल गायन कार्यक्रम भेल छल।
ओ गायन कार्यक्रममे राउत 15 टा मैथिली गीत गयने रहथि। शास्त्रीय तर्ज पर गायल ओ गीत दर्शकके झुमा देने छल। 70 बरखक धनुषाक बहुअर्वा निवासी राउतके एकल गायन कार्यक्रम करबाक नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठानक प्राज्ञ रामभरोष कापडि भ्रमर किछु दिन पूर्व घोषना कएने रहथि। ताहि आधार पर ई कार्यक्रम कएल गेल छल।
नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठानक सहयोगमे आयोजित ई कार्यक्रमक आयोजक रंग दर्पण नामक संस्था रहल अछि। एहि कार्यक्रमक उद्घाटन शास्त्रीय गायक रामसोभित राउत आ लोक गायक एवं मधुबनी निवासी विष्णुदेव पासमान संयुक्त रुपसँ कएलन्हि।
उद्घाटन समारोहमे वक्तासभ मैथिली संस्कृतिमे लोक गायनके स्वर्णीम इतिहास रहलाक बादो एकरा प्रति उदासीनता देखाएब समस्या बनि रहल उल्लेख कएलन्हि। लोक गायनक परम्पराके निरन्तरता देबाक लेल लोक गायक सभके प्रोत्साहन देवाक आवश्यकता उपर ओ सभ जोड देलन्हि।
प्राज्ञ कापडि कहलन्हि मिथिलाक लोक गायक सभके खोजि कऽ कऽ ओकर जिवनी प्रज्ञा प्रतिष्ठान प्रकाशन करबाक तैयारी शुरु कऽ देलक अछि। हात पर हात धऽकऽ बैसलासँ काज नहि चलत, सभ गोटेके किछु नहि किछु लोक गायनक परम्पराक विकासक लेल करए पडत ओ कहलन्हि। मैथिलीक वरिष्ठ साहित्यकार डा. राजेन्द्र विमल मैथिलीके बचाबएके अछितऽ लोक गीत, लोक संस्कृति एकरा सभके बढाबए पडत उल्लेख कएलन्हि। इतिहासकारडा. प्रफुल्ल कुमार सिंह मौन कहलन्हि मिथिलामे एकसँ एक लोक गायक अछि हुनका सभके अवसर देबए पडत। मैथिलीक चर्चित साहित्यकार चन्द्रेश लोक गायन परम्पराक विकासक लेल निरन्तर कार्यक्रम करबाक आवश्यकता उपर जोड देलन्हि। वरिष्ठ साहित्यकार डा. रेवती रमण लाल रामसोभित राउत सनक व्यक्तिक प्रमोशन कएलासँ मैथिलीके विकास हएत अर्थात गाम घरक लोकके नायक बनाबएके योजना आनए पडत उल्लेख कएलन्हि ।
विद्यापति ट्रष्ट कोषक संयोजक अयोध्यानाथ चौधरी रामसोभित राउतक गीती एलबम निकालयके आवश्यकता उपर जोड देलन्हि। मैथिली विभागक प्रमुख परमेश्वर कापडि मैथिली सांस्कृति आगा बढाबए लेल मैथिली विभाग सेहो काज करत बतौलन्हि अछि। मिथिला नाट्य कला परिषदक अध्यक्ष सुनिल मल्लिक मैथिलीक लेल काज करए वला संस्था सभ आगा आबि बहुत प्रशंन्ताक बात रहल उल्लेख कएलन्हि। रंग दर्पणक सदस्य अवधेश कामतक सभापतित्वमे भेल ओ समारोहमे नित्यानन्द मण्डल, अजय अनुरागी सहितक वक्तासभ बाजल छलथि। कार्यक्रममे शास्त्रीय गायक राउतके 11 हजार नगद सहित दोसल्ला ओढाकऽ सम्मान कएल गेल। तहिना लोक गायक विष्णुदेव पासमान आ सतेन रामके सेहो सम्मान कएल गेल छल। बृहस्पतिदिन मैथिली संस्कृतिमे लोक गायन परम्परा विषय पर विभिन्न कार्यपत्र प्रस्तुत कएल जाएत।
(समाद : सुजीत कुमार झा)
0 comments:
Post a Comment