Thursday, January 10, 2013

भीषण शीतलहरि सऽ किसान लोकनिँ हरखित


सीतामढ़ी/मुजफ्फरपुर : उत्तरी मिथिलामे लंबा समय सऽ लागल शीतलहरि लोककेँ भले हालत खराप कयने होए मुदा इ शीतलहरि लिच्ची, आम आ गहूँमक उत्पादन लेल बहुत लाभदायक अछि। न्यूनतम तापमान सात डिग्री वा ओहि सऽ कम होएबाक कारणे किसान सभ खुश छथि। लिच्ची अनुसंधान केँद्रक वरीय वैज्ञानिकक संग कृषि अधिकारी लोकनिकेँ उम्मीद छन जे भीषण ठंडीक कारण एहि बेर लिच्छी, आमक संग गहूँमक बंपर उत्पादन होएत।

लिच्चीक नीक उत्पादन लेल एकरा 200 घंटा धरि सात डिग्री वा ओहि सऽ कम तापमान चाही जे पछिला 100 घंटा सऽ बनल अछि। एहि कारण सऽ लिच्चीक गाछ सऽ निकलि रहल कलश(स्टेम) रुकि गेल अछि, जाहि सऽ नीक मंजरक आबय केँ संभावना अछि। मुजफ्फरपुरक जिला कृषि अधिकारी विजय कुमारक मानी तऽ गहूँम मे आन बरखक अपेक्षा बेसी कल्ला(टिलर) निकलल अछि। किसान सेहो समय सऽ गहूंमक पटौनी करलाक बाद यूरियाक छिड़काव करथि तऽ जोरगर उत्पादन होएबाक संभावना अछि।

0 comments:

Post a Comment