मिथिला राज्यक मांग लऽ धरना-प्रदर्शन
दरभंगा : कुशेश्वरस्थानक नंद किशोर उच्च विद्यालय, सतीघाटक छात्रावास प्रांगणमे बुधदिन अशोक यादवक अध्यक्षतामे मिथिला राज्य संघर्ष समिति तत्वावधानमे धरना-प्रदर्शन कएल गेल। कार्यक्रम संचालक बाबूकांत चौधरी पृथक मिथिला राज्य निर्माणमे प्रखंडवासी सऽ पूरा ताकति सऽ संग देबाक अपील केलनि। ओतय धरना पर बैसल मिथिला राज्य संघर्ष समितिक राष्ट्रीय अध्यक्ष डा॰ बैद्यनाथ चौधरी बैजू आ कवि विष्णुकात झा विकल मिथिला राज्य निर्माण कऽ लऽ विस्तार सऽ बतौबैत कहला जे मिथिलाक विकास पर कोनो सरकार ध्यान नहिँ देलक, एहि कारणवश मिथिलाक लोक उच्च शिक्षा, रोजी-रोटीक तकबा लेल आन प्रदेश जयबा लेल विवश छथि। पृथक मिथिला राज्य निर्माणक बिना विकसित, समृद्ध आ शिक्षित मिथिलाक गप्प केनाय बेमानी होए। एहि मौका पर जय प्रकाश नारायण पासवान, अरुण राय, राजकुमार राय, गुणेश्वर ठाकुर, भागीरथ चौधरी संगे बहुतो लोक संबोधित केलनि। समितिक अगिला धरना 28 जनवरी केँ बिरौलमे होएत।
0 comments:
Post a Comment