मिथिला राज्य संघर्ष समितिक चक्का जाम जनकपुरक रामानन्द चौकपर दोसरो दिन जारी रहल। बृहस्पति दिन भोर 10 वजे सँ मध्यान्ह 12 वजेधरि रामानन्द चौकपर धरना दऽ चक्का जाम कएल गेल छल। ओ धरना कार्यक्रममे विभिन्न राजनीतिकदलक व्यक्तिसभक सेहो सहभागिता रहल छल। राजनीतिक दलक व्यक्तिसभ सेहो तराई टिभीमे देखाओल गेल बातमे सत्यता की अछि एकर खोजी कऽ दोषीकेँ कारवाइकेँमांग कएलन्हि अछि। एकीकृत नेकपा माओवादीक राज्य समिति सदस्य फुलगेन साह मिथिला बम काण्ड भेला एक वर्ष भऽ रहल समयमे पुलिस अनुसन्धान पुरा नहि कऽ सकल प्रति कडा आलोचना कएलन्हि। ओ तराई टिभीमे देखाओल गेल बातमे कतेक सत्यता अछि एकरा शीघ्र खोजी करवाक लेलअनुसन्धान आगा बढाबए मांग कएलन्हि अछि। नेपाल तरुण दल धनुषाक अध्यक्ष अर्जुन चौधरी अपराधीकेँ नुकेला सँ अपराध बढैत अछि ई सत्यकेँ सभकेँ बुझए पड़त उल्लेख कएलन्हि अछि।
ओ जनकपुरमे किछु वर्ष सँ भऽ रहल हत्याकाण्डसभकेँ अनुसन्धानमे गम्भीरता नहि देखओल जा रहल अछि एहि सँएहि ठाम सुरक्षा समस्या बनि रहल बतौलन्हि अछि। नेकपा एमालेक शम्भु पासवान मिथिला राज्यक मांगकेँ सभकेँ समर्थन करवाक आग्रह करैत बम विस्फोटन कराबए बलाकेँ कारवाइक लेल दवाव बनाबए नागरिक समाज सँ आग्रह कएलन्हि अछि। प्रेस काउन्सिलक सदस्य नवल किशोर यादव बम काण्डक स्थिति की अछि दुधक दुध आ पानिक पानि लोक देखए चाहैत अछि चर्चा कएलन्हि। ककरो भ्रष्टाचारक छानविनकेँ प्रभावित करवाक लेल नहि बम विस्फोट कराबएबलाकेँ करावाइकेँ आवाज उठाबए अभियान शुरु कएल गेल सभकेँ बुझएओ आग्रह कएलन्हि। मिथिला राज्य संघर्ष समितिक संयोजक परमेश्वर कापड़िक सभापतित्वमे भेल ओ समारोहमे मिथिला नाट्य कला परिषदक अध्यक्ष सुनिल मल्लिक, रामानन्द युवा क्लवक पूर्व अध्यक्ष अशोक दत्त सहितक वक्तासभ बाजल छलथि। (रिर्पोट : सुजीत कुमार झा )
0 comments:
Post a Comment