मिथिला राज्यक मांग लऽ होएत चारि दिनक अनशन
नई दिल्ली : मिथिला राज्यक मांग कऽ लऽ राजीव झाक नेतृत्वमे 22 सऽ 25 मार्च धरि नई दिल्लीक जंतर-मंतर पर धरना-प्रर्दशन होएत। राजीव जी दरभंगा केँ मूल निवासी छथि आ दिल्लीमे नौकरी करैत छथि। अखन धरि हिनका अखिल भारतीय मिथिला परिषद्, अखिल भारतीय मिथिला पार्टी, मिथिलांचल विकास सेना, अंर्तराष्ट्रीय मैथिली परिषद् आदि संस्था हरसंभव सहयोग देबाक बात कहलक अछि। मिथिला प्राइमक संवाददाता जखन हुनका सऽ पूछलक जे अपने असगरे एहि अनुष्ठान केँ कियैक शुरु केलौ ? तऽ हुनक कहब छल जे विभाजित मैथिल समुदाय आ मिथिलाक आंदोलन केँ देखैत एकटा मैथिलक रुपे इ निर्णय केलहुं जे आब आंदोलन के दुर्दशामे नहिँ रहय देब तैँ इ 96 घंटाक अनशन कऽ रहल छी। एहि चारि दिनक अनशनमे राजीव जी आ हुनक टीम बिहारक 24 आ झारखण्डक 6 गोट जिलाकेँ मिला कऽ मिथिला राज्यक मांग करता। राजीव झा आ हुनक टीम अखन लगातार मिथिला राज्यक लेल भेँट-घाट कार्यक्रम कऽ रहल अछि। राजीव झा मिथिला प्राइमक माध्यमे अपील केलनि जे एहि धरना-प्रदर्शनमे बेसी सऽ बेसी लोकनि आबथि।
0 comments:
Post a Comment