Friday, January 18, 2013

मिथिला राज्य संघर्ष समितिक आंदोलनहत्याराक कारवाईके संयुक्त रुपसँ माँग

जनकपुर/धनुषा : मिथिला राज्य संघर्ष समितिक रामानन्दचौक पर भेल शान्तिपूर्ण आन्दोलनमे बम बिस्फोट कराबएवाला व्यक्तिके कडा कारवाईके राजनीतिक दलक व्यक्तिसभ माँग कएलन्हि अछि। ओ सभ सरकार द्वारा अनुसन्धान प्रति देखाओल गेल उदासीनताके कड़ा आलोचना कएलन्हि। तराईटिभीमे मिथिला बम काण्डसँ जोडिकऽ एकटा नेताक स्वर प्रसारण भेलाक बाद जनकपुरमे प्रत्येकदिन कोनो नहि कोनो कार्यक्रम भऽ रहल अछि। नेतासभ कहलन्हि ओ आवाजमे कतेक सत्यतता अछि आ बम काण्डमे ओ व्यक्तिके कतेक संलग्नता अछि एकरा खोजि कऽ जनता लग शीघ्र आनए माँग कएलन्हि। जनतामे भ्रम सृजना नहि होइक एहिके लेलसभके गम्भीरता देखाबए माँग कएलन्हि। समारोहमे नेपाली कांग्रेस धनुषाक सभापति रामसरोज यादव पूर्व राज्य मंत्री संजय कुमार साह पर नक्कली भारु रुपैयाक कारोवारी रहल गम्भीर आरोप लगौलन्हि। ओ आरोपक क्रममे कहलन्हि संजय एहि कारोबारक सन्दर्भमे बहुतो लोकके बुझल अछि। काँग्रेस नेतायादव सेहो बम काण्डके न्यायिक छानबिन आयोग गठन कऽ दोषी उपर कारवाईके माँग कएलन्हि।
समारोहमे नेकपा माओवादीक मिथिला राज्य समितिक सेक्रेट्री रोशन जनकपुरी चेतना नहि भेल व्यक्ति मात्रै बम बिस्फोट करा सकैत अछि कहैत एहन बिस्फोटसँ आन्दोलन नहि रुकत उल्लेख कएलन्हि। ओ सभ गोटे मिलकऽ मिथिलाक लेल आवाज उठाबए माँग कएलन्हि। समारोहमे एकीकृत नेकपा माओवादी धनुषाक इन्चार्ज रामचन्द्र मण्डल वैज्ञानिक ढंगसँ तराई टिभीमे देखाओल आवाजके जाँच कराबएके माँग कएलन्हि। तराई टिभीमे समाचार देखाओलाक बाद नगरमे उत्सुकता अवश्यक बढि गेल अछि कहैत संयमतासँ काज लेबए सभसँ ओ आग्रह कएलन्हि। समारोहमे नेकपा एमालेक नेता शीतल झा पुलिसके छानबिनमे गम्भीरता देखाएब आवश्यक रहलमाँग कएलन्हि। मिथिला राज्य संघर्ष समितिक अध्यक्ष परमेश्वर कापडिके सभापतित्वमे भेल ओ समारोहमे नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषाक अध्यक्ष रामअशिष यादव बम प्रहार करएवालाकेँ कोनो दृष्टिसँ माफनहि कएल जाएत बतौलन्हि अछि। नेपाल वार एशोसिएशन जनकपुरक अध्यक्ष श्याम किशोर मल्लिक अपराधी सभके समयमे तह नहि लगाओल गेल तऽ जनकपुरके भगवानो नहि बचा सकत उल्लेख कएलन्हि। मिथिला राज्य संघर्षसमितिक सदस्य जीवनाथ चौधरी कहलन्हि हमरो उपर छानबिन करु, सावित हएत तऽ हम सजाए पाबएके लेल तैयार छी। कार्यक्रममे मिथिला नाट्यकला परिषदक अध्यक्ष सुनिल मल्लिक, वानक केन्द्रिय उपाध्यक्ष राजेश कुमार कर्ण, रामानन्द युवा क्लवक अध्यक्ष नवीन मिश्र, वीरेन्द्र लाल कर्ण, फुलगेन साह सहितक वक्तासभ बाजल छलथि। (रिर्पोट : सुजीत कुमार झा)

0 comments:

Post a Comment