Sunday, January 20, 2013

मैथिली सऽ होएत मिथिलाक विकास

दरभंगा : शोध पत्रिकाक पकाशन सऽ भाषा आ साहित्यक विकास होइत अछि। स्नातकोत्तर विभाग लगातार एकर प्रकाशन कऽ रहल अछि। इ नीक डेग अछि। इ बात LNMU के कुलपति डा॰ एसपी सिँह कहलनि। बीतल शनि केँ शोध पत्रिका मैथिली केर आठम अंकक लोकार्पण करबाक बाद कहि रहल छलथि। मौका पर प्रतिकुलपति डा॰ ध्रुव कुमार कहलनि जे मैथिली सऽ मिथिलाक विकास होएत। वित्त परामर्शी सीआर दिग्वाल कहलनि जे शोध पत्रिका भाषा-साहित्य केँ नव दिशा दैत अछि। साहित्य अकादमीक पूर्व मैथिलीक प्रतिनिधि डा॰ सुरेश्वर झा महामहोपाध्याय सऽ मिथिला आवाज धरि पत्र-पत्रिका पर काज करबाक जोर देलनि। ओतय भीमनाथ झा महत्वपूर्ण रचनाकेँ पोथीक रुपे प्रकाशित करबाक सुझाव देलनि। समारोहमे डा॰ शशिनाथ झा, धीरेँद्र नाथ मिश्र, डा॰ रमाकांत मिश्र, अजित आजाद सेहो अपन विचार रखलनि। मौका पर बैद्यनाथ चौधरी बैजू, डा॰ मित्रनाथ झा, कृष्णचंद्र झा मयंक, अमलेँदु शेखर पाठक आदि उपस्थित छलथि। संचालन डा॰ रमण झा केलधि आ अतिथिक अभिनंदन डा॰ विभूतिचंद्र झा केलनि।

0 comments:

Post a Comment